नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

चतुरानन मिश्रजीs के श्रद्धांजलि

लोक सभ के बीच चतुरा बाबू के नाम सं प्रसिद्ध चतुरानन मिश्रजीक निधन के खबर सुनि एक बेर तं विश्वास नहि भेल. यकीन नहि भेल जे बाबा आब हमरा सभ के बीच नहि छथिन्ह. हुनकर चेहरा आंखि के सामने घुमय लागल.

बाबा काफी दिन सं बीमार छलखिन्ह...आओर दिल्ली के एम्स मे हिनकर इलाज चलि रहल छलन्हि. बाबा अस्पताले मे 2 जुलाई के अंतिम सांस लेलाह. बाबा अपना पाछा एकटा पुत्र प्रमोद जी आओर
चारिटा पुत्री छोड़ि गेलखिन्ह.

ओना बाबा के उम्र 86 साल भ गेल छलन्हि तखनो देश-दुनिया सं एकदम बाखबर रहय छलखिन्ह. अपन मिथिला के बेसि चिंता करय छलखिन्ह. मुदा ऊपर वाला पर ककर जोर चलैत अछि.

1993 मे दिल्ली अएला के बाद बाबा सं बराबर भेंट होएत छल. कई दिन बाबा के केनिंग लेन वाला बंगला पर रहय के मौका सेहो मिलल. केनिंग लेन ते बंगला मे रहितों अहां के नहि लागैत जे अहां मिथिला सं दूर छी.

दिल्ली मे मिथिलाक झलक अहां के हिनकर बंगला मे मिलि जाएत. ओहि टाइम बाबा राज्य सभा के सदस्य छलाह. चतुरानन बाबा दू बेर 1984 आओर 1990 मे राज्य सभा के सदस्य चुनल गेलाह.

1996 मे मधुबनी सं लोक सभा सं जीत कs अएलाह आओर केंद्र मे कृषि मंत्री बनलाह. बाद मे हिनका कई विभाग के अतिरिक्त प्रभाग सेहो देल गेलन्हि.

एहि सं पहिने बाबा बिहार 1969 सं 1980 के बीच मे तीन बेर एमएलए सेहो रहि चुकल छलखिन्ह. मुदा विधायक दक्षिण बिहार ...अखन के झारखंड के गिरिडीह सं चुनल गेल छलाह.

मिश्रजी ऑल इंडिया ट्रेड यूनियन कांग्रेस के राष्ट्रीय अध्यक्ष सेहो रहलखिन्ह. स्वतंत्रता आंदोलन मे सेहो भाग लेने छलखिन्ह. हिनका समय मे मधुबनी के बिहार के लेनिनग्राद कहल जाएत छल.

जखन बाबा स्वतंत्रता आंदोलन मे उतरलखिन्ह ओहि टाइम ओ मधुबनी के सुड़ी स्कूल मे पढ़य छलखिन्ह. सुड़ी स्कूल स्वतंत्रता सेनानी सभ के अड्डा बनि गेल छल. आंदोलन मे कुदय के कारण बाबा आगां के पढ़ाई नहि करि पएलखिन्ह.

बाबाक जन्म मधुबनी जिलाक नाहर गांव मे 7 अप्रैल 1925 के भेल छलन्हि. ई गाम रामपट्टी के पास अछि. हिनकर पिताजीक नाम छलन्हि स्व.बचनानंद मिश्र.

बाबा अपन इलाका के विकास के लेल सदिखन तत्पर रहय छलखिन्ह. मधुबनी के पास जे शंकर नेत्र चिकित्सालय अछि ओकरो खुलबाबय मे बाबा के पैघ योगदान रहलन्हि. कृषि के क्षेत्र मे सेहो काफी काज करलखिन्ह. बाबा अपन गाम नाहर मे हाई स्कूल... इंटर कॉलेज...नाट्य परिषद सेहो खोलने छलखिन्ह.

बाबा चाहय छलखिन्ह जे अपन मिथिला मे लोक पढ़य-लिखय...साक्षर बनय.
बाबा खुद कोनो नहि कोनो पेपर मे बराबर लिखैत रहय छलखिन्ह. बाबा के लेख हमेशा हिन्दुस्तान... जनसत्ता पेपर मे निकलैत रहय छल.

बाबाक किछ किताब सेहो आएल अछि जेहि मे उपन्यास काला (मैथिली )... समाजवाद का नवीकरण... महिला आत्मकथा (मैथिली )...खान की बलिबेदी शामिल अछि. बाबा एटक संवाद आओर संक्रमण के संपादन सेहो करि चुकल छथिन्ह.

बाबा हमरा सभक बीच नहि छथिन्ह मुदा लगैत नहि अछि जे ओ नहि छथिन्ह. बाबा के हमर सभक श्रद्धांजलि..



click here

Share/Save/Bookmark


हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com


Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु