नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रेलवे केर नवका ई टिकट सेवा

रेलवे अपन एकटा नवका ई टिकट सेवा शुरू करय जा रहल अछि. अखन इंटरनेट के माध्यम सं टिकट कटाबय लेल आईआरसीटीसी के साइट पर जाsक टिकट कटाबय पड़ैत अछि.

खबर अछि जे आईआरसीटीसी के ई टिकट के सेवा सेहो जारी रहत मुदा रेलवे अपन खुद के सेवा लांच करत. एहि ई टिकट... इंटरनेट सं टिकट कटाबय मे रेलवे एजेंट के कोनो जगह नहि होएत.

एहि मे अहां अपन पर्सनल टिकट कटा सकय छी... अपन परिवार के टिकट कटा सकय छी. थोक मे एजेंट जsका टिकट नहि कटा सकय छी. एहि साइट पर टिकट एजेंट आओर दोसर बिजनेस करय वाला... टिकट सं कमाय करय
वाला लोक के एंट्री नहि होएत.

रेलवे के एहि साइट सं टिकट लेबय लेल पहिने अहां के रजिस्ट्रेशन करय पड़त... अपन एकटा अकाउंट बनाबय पड़त. ओहि अकाउंट सं अहां एक मास मे आठ बेर टिकट कटा सकय छी.

आमतौर पर लोक के मास मे एक-दू बेर सं बेसि जरूरत नहि पड़य छनि टिकट कटाबय के. मुदा कोनो-कोनो मास एतय बेर टिकट कटाबय के जरूरत पड़ि सकैत अछि.

इंटरनेट सं टिकट कटाबय लेल अखन आईआरसीटीसी पर स्लीपर लेल 10 टका आओर दोसर दर्जा के लेल 20 टका लेल जाएक अछि. मुदा रेलवे के एहि साइट सं टिकट लेबय पर एकर आधा सिर्फ पांच आओर दस टका चार्ज लागत.

एहि साइट के सेवा अहां दिन के चौबीस घंटा मे सं 23 घंटा उठा सकय छी. ई साढ़े बारह बजे राति सं शुरू भsक राति के साढ़े 11 बजे तक मिलैत रहत. यानी राति के 11.30 सं 12.30 तक ई सेवा के सिस्टम आराम करत.

तं आब किछ दिनक आओर इंतजार रेलवे के नीक सेवा उठाबय लेल तैयार रहुं. साइट के पता अछि www.indianrailways.gov.in

शुभ यात्रा !



click here

Share/Save/Bookmark



हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com

Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

1 टिप्पणी:

  1. Bahut Badhiya news...bus kewal etba hebak chahi je ekra Agent sab sai aa durupyog sab sai e banchal rahat tai aam aadmi ekar fyada utha sakait aichi....


    Kumar Kali Bhushan

    Keoti - Mumbai

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु