नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बाबा करय तं ठग अहां करि तं पाक-साफ

सरकार के जखन धरि लागल जे बाबा रामदेव के अनशन सं कोनो खतरा नहि अछि. ओ किछ नहि करलक. सभ किछ होए देलक.

बाबा रामदेव जखन उज्जैन सं दिल्ली आबय छलाह तं एक तरहे हुनकर आगवानी के लेल मंत्री सभ एयरपोर्ट तक गेलाह. ओतय गप सेहो करलाह.

बाद मे दिल्ली के एकटा होटल मे सेहो बातचीत भेल. सरकार चाहैत
छल जे बाबा के मनाsक कालाधन... भ्रष्टाचार के खिलाफ मुहिम मे वाहवाही लुटि लेल जाए.

मुदा कांग्रेस के एहि चाल के कि कहबय जे एक तरफ तं पार्टी के मंत्री बाबा सं गप करि रहल छलखिन्ह दोसर तरफ मध्यप्रदेशक पूर्व कांग्रेसी मुख्यमंत्री दिग्विजय सिंह बाबा पर हमला.

जतय यूपीए सरकार के मंत्री बाबा के संग नीक गप होए के बात करय छलखिन्ह...दिग्विजय सिंह ओतय बाबा पर सियासत करय के आरोप लगा रहल छलखिन्ह.

आरएसएस के एजेंट होए के आरोप लगाबय छलखिन्ह...बाबा पर ठग होए के बात करय छलखिन्ह. बाबा के खिलाफ जांच के बात करय छलखिन्ह.

मुदा ओ कखनो असल मुद्दा काला धन... भ्रष्टाचार पर लगाम...स्विस आओर दोसर बैंक मे जमा भारतीय धन के वापस लागय के बात नहि करय छलखिन्ह.

सरकार जतय बाबा सं गप मे लागल छल ओतय पार्टी देश के भरमाबय पर. बाबा के बारे मे दस तरहक बात फैलाबय के कोशिश भ रहल छल.

मानि लिअ बाबा ठग छथिन्ह...आरएसएस के एजेंट छथिन्ह...गलत ढंग सं करोड़ों रुपया बनौने छथिन्ह. तं कि भ्रष्टाचार...काला धन के जे कानून बनत ओहि के जद मे बाबा नहि अएताह कि?

अगर बाबा ठग होताह तं ओहो जेल जएताह. मुदा पहिने बाबा जे एहि के लेल मांग करि रहल छथिन्ह ओहि पर ध्यान तं दिऔ. ओकरा बनबिऔ तं. विदेश मे राखल धन इंडिया लाबिऔ तं.

अगर बाबा के पास काला धन अछि तं कानून बनला के बाद सरकार ओकरा सेहो अपन कब्जा मे लs सकैत अछि.

सवाल ई आबैत अछि जे अगर बाबा के पास काला धन होएत तं कि ओ एहन हिम्मत देखएताह?
ओ एहि के लेल अतेक आगां अएताह?

सरकार एहि सं पहिने 2जी घोटाला... राष्ट्रमंडल खेल घोटाला...आदर्श घोटाला मे सेहो जांच कराबय सं इनकार करैत रहलक. ए राजा... कनिमोझी...कलमाडी के बचाव करैत रहलक.

विपक्ष के जेपीसी मांग पर संसद कतेक दिन ठप रहल. सरकार टालैत रहल जे केहुना जेपीसी नहि बनय. ओ तं कोर्ट के सख्ती जे सरकार के विवश होए पड़ल कार्रवाई के लेल.

आओर कोर्ट के देख रेख मे कार्रवाई भेल तं देख रहल छी दे केना राजा...कनिमोझी...कलमाडी आओर कतेक अफसर जेल मे पड़ल छथिन्ह.

एकटा आओर मंत्री दयानिधि मारन के खिलाफ सेहो आरोप लागि रहल अछि. आबि अहां देखिऔ सरकार जकरा बचाबैत रहल ओ जेल मे अछि. तं एहन पर अहां भरोसा करबै?

कांग्रेस बाबा के मंच पर साध्वी ऋतंभरा के मौजूदगी पर सवाल उठा रहल अछि. अहां खुद दिमाग पर जोर डालब तं कतेक सीन याद आबि जाएत जे कांग्रेसी नेता सभ हिंदू छोड़ि दोसर धर्म के नेता संग बैसल छथिन्ह.

सवाल ई अछि जे ई भेदभाव सिर्फ हिंदू धर्मगुरू के संग किएक? अगर कांग्रेसी नेता दोसर धर्म के बात करय तं ओ धर्मनिरपेक्ष आ दोसर हिंदू के बात करय तं ओ साम्प्रदायिक?

कांग्रेसी राज मे इमरजेंसी लागय तं ओ सही. कांग्रेसी राज मे देश भर मे कई बेर दंगा भेल ओ सही.... दिल्ली आओर देश भर मे सिख दंगा भेल ओ सही…भागलपुर भेल ओ सही मुदा गोधरा बाद गुजरात मे दंगा भेल तं मोदी साम्प्रदायिक?

ई दू तरहक मानसिकता किएक ? बात मोदी के सही ठहराबय के नहि अछि. अगर मोदी गलत तं अहां केना सही? अगर बाबा रामदेव साम्प्रदायिक तं अहां धर्मनिरपेक्ष केना?

उत्तर प्रदेश के भट्टा परसौल मे पुलिस लाठीचार्ज करय तं मायावती सरकार अत्याचारी...मुदा जखन दिल्ली पुलिस रामलीला मैदान मे जालियांवाला बाग जकां पचास हजार लोक के घेर के पीटय...आंसू गैस के गोला छोड़य तखन ओ सही ?

ओ तं केंद्र सरकार के खुशकिस्मती समझिऔ जे रामलीला मैदान मे मौजूद पचास हजार लोक शांति प्रिय लोक छलाह. बेसि महिला...बच्चा आओर बुजुर्ग छलाह. बाबा रामदेव के कहला पर शांत छलाह.

अगर पुलिसिया अत्याचार के खिलाफ ओ पचास हजार लोक तखन आवाज उठा दैत तं अंजाम के बारे मे अहां सोचिऔ. कि भ सकैत छल?

अगर अनशन पर बैसल लोक एकर विरोध मे हाथापाई करय लगतिएनि तं कि होएत? अहां सिर्फ कल्पना करि कs देखिऔ.

ओ तं ओहिठाम मौजूद सभ लोक बाबा के आग्रह पर शांत बनल रहलाह नहि तं कि सं कि भ गेल रहैत?

शांत लोक पर अतेक अत्याचार करलाके बादहुं अहां अपना के पाक साफ बता रहल छी? ओ अध-रतिआ मे पचास हजार सं बेसि लोक अनजान दिल्ली के सड़क पर भटकय लेल बाध्य छलाह.

बस पुलिस के कोशिश छल जे केहुना लोक एहिठाम सं हटय. लोक के जिम्हर रास्ता मिलल भागलाह. किछ स्टेशन तं किछ बस स्टैंड दिस परएलाह.

बाबा के सेहो स्पेशल विमान सं देहरादून भेज देल गेल जतय सं हरिद्वार लs जाएल गेलन्हि. सवाल उठैत अछि जे बाबा कि गलत चीज लेल अनशन पर बैसल छलाह?

अहां तं लोकपाल कानून पर सेहो तैयार नहि होए छलहुं. अगर अन्ना हजारे जंतर-मंतर पर अनशन पर नहि बैसताह...करोड़ों लोक के समर्थन नहि मिलतन्हि... तं कि सरकार तैयार होएत?

तैयार भेलाह के बादहुं दिग्विजय सिंह के तरफसं दस तरहक बयान आएल कमेटि पर. लोक के भरमाबय के कोशिश कएल गेल. आब फेर बातचीत के पटरी सं उतारय के कोशिश भ रहल अछि.

सीवीसी थॉमस वाला मुद्दा याद अछि कि नहि? आ भूलि गेलहुं? थॉमस के सीवीसी बनाबय पर बीजेपी के तरफ सं प्रधानमंत्री के तगड़ा विरोध कएल गेल छल. मुदा तखन पूरा कांग्रेस थॉमस के संग छल.

अहां के लगैत अछि जे अगर कोर्टक फैसला नहि आएल रहैत तं सरकार हुनका हटएने रहैत?

आब एहिठाम सवाल ई नहि अछि जे बाबा व्यक्तिगत रूप सं केहन छैथि...सवाल ई अछि जे बाबा के मंशा सही छल आ नहि?

बाबा के अनशन देश हित मे छल आ नहि?

कालाधन...भ्रष्टाचार...स्विस आओर दोसर बैंक मे जमा देश के धन वापस लाबय लेल अनशन पर बैसल बाबा रामदेश अपना लेल बैसल छलाह आ देश के लेल?

बाबा जेहि कानून बनाबय लेल बात करय छलाह ओहि कानून के बनला सं ककरा नुकसान होएत? आओर ककरा फायदा?

के एहन अछि जे एहि कानून के नहि बनय देबय चाहैत अछि? सवाल ई अछि जे कोन-कोन एहन लोक... तबका अछि... जे नहि चाहैत अछि कि ई कानून अस्तित्व मे आबय?

एहि कानून के बनला सं... के सभ परेशानी मे आबि सकय छथि? किनका सभ के नुकसान भ सकय छथि?

आब सौचिऔ जे दू नंबरी पाई बनौने अछि. जकरा पास काला धन अछि. जे भ्रष्टाचार मे ऊपर सं नीचा तक लिप्त अछि ओ कहिऔ चाहत जे एहन कानून बनय?

एहन मे ओतक बड़का तबका के खिलाफ अहां लेल बाबा ठाड़ भेलाह आओर अहां बाबा के मंशा पर शक करय छी?

बाबा रामदेव नहि...एहि के खिलाफ जे आबय छथि हुनकर समर्थन करिऔ... एहि मे पार्टी पॉलिटिक्स नहि देखिऔ...देशहित देखिऔ.


जिनका भरोसे पार्टी-पॉलिटिक्स देखब हुनकर अपने कोनो ठिकान नहि. किएक तं राजनीति मे नहि कोनो स्थायी दोस्त होए अछि नहि कोनो दुश्मन. जखन जकर जरूरत पड़त समर्थन लs लेताह. बस सरकार बचल रहबाक चाही?

एहन मे सब किछ छोड़ि देश के सोचु... कोई आगां आबय हुनकर हाथ मजबूत करिऔ. जे गलत अछि ओकरा गलत कहिऔ...जे सही अछि ओकरा सही.



click here

Share/Save/Bookmark


click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com


Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु