नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

घटि रहल अछि फेसबुक प्रशंसक

अहां सभ के ई जानि कं अचरज होएत जे इंडिया मे दिन पर दिन लोकप्रिय भ रहल फेसबुक के उपयोग करय वाला के संख्या अमेरिका मे घटि रहल अछि.

सोशल नेटवर्किंग साइट मे फेसबुक सं पहिने ऑर्कुट के जलवा छल. मुदा फेसबुक अएला के बाद लोक ऑर्कुट... मायस्पेस जैसन सोशल नेटवर्किंग साइट सं हटिs क एहि पर चलि अएला.
मुदा आब लगैत अछि जे फेसबुक के धाक सेहो कम भेल जा रहल अछि.

संख्या घटय के ई हाल अछि जे सिर्फ पिछला मास अमेरिका मे
एकर करीब साठ लाख उपयोगकर्ता एहि सं हटि गेलाह.

ई हाल तखन अछि जखन कि एकर शुरुआत अमरिके सं भेल छल. एहने हाल कइटा बड़का देश मे अछि. कनाडा मे तं करीब 15 लाख लोक एहि सं हटि गेलाह.

ब्रिटेन...नार्वे आओर रूस मे सेहो इहे हाल अछि. सभ ठाम लोक फेसबुक सं अपन खाता बंद करि रहल छथिन्ह.

ओना चीन... मैक्सिको...ब्राजील मे संख्या बढ़ल अछि. इंडिया मे सेहो करीब करीब एहने हाल अछि.

मुदा जेहि हिसाब सं फेसबुक पर चिरकुटई चलि रहल अछि... लागि रहल अछि लोक एहिठाम सं सेहो ऊब जएताह.

फोटो टैग करय के मामला पर लोक सभ सेहो विरोध करने छलखिन्ह. ककरो फोटो टैग करि देनाय... किनको अपन ग्रुप मे शामिल करि लेनाय. दस तरहक एप्स... गेम लोक के परेशान करि दैत अछि.

नहि चाहैत मेलबॉक्स मे सैकड़ों मेल भरि जाएत अछि. एहिना ग्रुप चैट लोक के नहि चाहितो परेशान करैत रहैत अछि. एहि सभ के देखैत लोक सभ फेसबुक पर अनाय कम करि देने छथिन्ह.

फेसबुक लोक के बड़ टाइम सेहो लs लैत अछि. एक बेर एहि पर अएलौं आओर तुरंत नहि लॉग ऑफ करलौं तं ओझरा जाएब एहि मे.

जन्मदिन के मुबारक सं लsक कमेंट करय तक. अहां कतहुं नहि कतहुं फंसि जाएब. अहांक समय केना खत्म भ जाएत पता नहि चलत.

एकर चक्कर मे दोसर दसटा काज नहि होएत आ देर सं होएत. एहि सं लोक धीरे-धीरे एतय सं हटि रहल छथिन्ह.




click here

Share/Save/Bookmark



click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com

Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु