नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

यूट्यूब पर आब फिल्म सेहो देखु

अखन तक हम अहां सभ फिल्म देखय लेल आ त सिनेमा हॉल जाए छलहुं आ फेर टीवी-वीडियो पर फिल्म देखए छलहुं. जिनका पास इंटरनेट छलन्हि ओ किछ साइट सं फिल्म डाउनलोड कs देखय छलाह.

मुदा फिल्म डाउनलोड करय मे एक तं टाइम बड़ लागैत छल दोसर हरदम वायरस के खतरा मौजूद रहैत छल. इंडिया मे ई खतरा बेसि रहैत छल किएक तं देश मे बेसि लोक के ऑपरेटिंग सिस्टम पायरेटेड अछि

ऑरिजनल ऑपरेटिंग सिस्टम नहि होए सं सिस्टम के सुरक्षा हरदम
खतरा मे रहैत अछि. बेर-बेर अहां के फॉर्मेटिंग कराबय पड़त. सिस्टम अपडेट नहि होएत. दस तरहक झंझट आबैत रहत.

हरदम संभलि कs काज करय पड़ैत अछि. आओर जखन गाना... फिल्म डाउनलोड करय के बात रहैत अछि तं मन ललचा जाएत अछि आओर हम अपन कंप्यूटर के भट्टा बैसा दैत रहय छी.

मुदा आब ओहि खतरा के डर सं मुक्त भ जाउ. बेहिचक फिल्म देखु. ओहो एकदम नीक क्लालिटी के संग. क्वालिटी सं कोनो समझौता नहि कएल गेल अछि यूट्यूब के वीडियो के संग.

यूट्यूब एहि सेवा के मंगल दिन लांच करलक. एकर नाम देलक अछि... बॉक्स ऑफिस. फिल्म देखय लेल नेट पर पहिने youtube/com के बाद / boxoffice टाइप करु अहांक boxoffice स्क्रीन पर आबि जाएत. फेर मन भरि फिल्म देखु.


बॉक्स ऑफिस पर पहिल हिन्दी फिल्म अछि यशराज बैनर केर फिल्म बैंड बाजा बारात. अखन एहि पर करीब डेढ़ हजार फिल्म राखल गेल अछि. एहि मे हिन्दी आओर दोसर भाषा के फिल्म सेहो शामिल अछि.

किछ खास फिल्म अखन जे अहां देख सखय छी ओहि मे... दिल तो बच्चा है जी... साथियां... धमाल... परदेस... चुपके-चुपके... पड़ोसन... गोलमाल... रामायण-द एपिक... राजा बाबू...   हेराफेरी... टशन...  आनन्द...  ताल... मस्ती... मैने प्यार किया... तेजाब...  अभिमान... अमर प्रेम... सत्ते पे सत्ता...आओर आवारा पागल दीवाना शामिल अछि.

यूट्यूब आओर नव-नव फिल्म के लेल फिल्म केर निर्माता-निर्देशक सभ के सम्पर्क मे अछि. जेना -जेना फिल्म आएत एहिठाम डालि देल जाएत. यूट्यूब फिल्म देखय के संग अहां के किछ विज्ञापन सेहो देखय लेल मिल सकैत अछि.

मुदा मुफ्त मे फिल्म देखय लेल एतेक तं सहल जा सकैत अछि. आखिर हुनका सेहो फिल्म खरीदय लेल पाई लागल होएतन्हि. तं आब यूट्यूब पर जाsक फिल्म के मजा लिअ.

                                                       http://www.youtube.com/boxoffice





click here

Share/Save/Bookmark



click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com

Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु