नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रामलीला मैदान बनल जालियांवाला बाग

दिल्ली के रामलीला मैदान सं अनशन पर बैसल बाबा रामदेव के जेहि तरह सं हटाएल गेल. ओहिठाम बैसल महिला... बुजुर्ग... नेना-भुटका... लोक पर डंडा बरसाएल गेल ओ जालियांवाला बाग के कहानी याद देलक.

केंद्र सरकार के इशारा पर जेहि तरह सं पुलिस ओहिठाम बैसल लोक पर अत्याचार करलक ओ लोक के दहला देबय के लेल काफी अछि. अंग्रेजक जमाना मे सेहो एहन अन्याय नहि होएत छल.

जखन भारत गुलाम छल तखनो लोक सत्याग्रह करैत छलाह मुदा
राति के अन्हार मे पुलिसिया कार्रवाई घोर निंदनीय अछि. रामलीला मैदान सं बाबा रामदेव के जबरन उठाsक पुलिस लs गेल.

जखन लोक सभ के एकर पता चलल जे बाबा के कोनो पता नहि अछि तखन पुलिस हुनका एकटा विशेष विमान सं देहरादून...हरिद्वार भेज देलक. हरिद्वार मे बाबा रातुक पुलिसिया कार्रवाई के याद करैत काsनि पड़लाह.

कानैत बाबा कहलाह जे महिला..बच्चा सभ के घसैट-घसैट कsलs जाएल गेल...जमिsक पिटाई करल गेल. हुनका सेहो मारय के कोशिश कएल गेल. पुलिस के मंशा के भांपैत ओ देबार के ओट मे छिप गेलाह.

ओहिठाम किछ महिला सं कपड़ा लs आंसू गैस छोड़ला सं भेल अन्हार के छटय के इंतजार करय लगलाह. धुआं छंटलाह पर ओहिठाम सं निकलैत वक्त पुलिस हिनका लs क चलि गेल.

राति के एक-डेढ़ बजे के बाद हजारों संख्या मे पुलिस रामलीला मैदान के घेराबंदी करि देल गेल. काफी सोचि समझि कs राति के समय चुनल गेल. एहि समय तक पेपर छपय जा चुकल रहैत अछि.

ओहिटाइम टीवी..न्यूज़ चैनल वाला सभ सेहो आराम करय लागल छल. कैमरा सभ करीब करीब बंद छल. एहि सं तुंरत लोक के पास न्यूज़ नहि पहुंचल. ओहिठाम मीडिया के लोक संग सेहो दुर्व्यवहार कएल गेल.

कांग्रेसी नेता दिग्विजय सिंह बाबा रामदेव के सभसं बड़का ठग बताबैत हिनका खिलाफ जांच के मांग करलखिन्ह. एहि सं पहिने कांग्रेस सरकार कि करय छल. कपिल सिब्बल आओर सुबोधकांत सहाय कहलाह जे बाबा पहिने अनशन खत्म करय के भरोस देने छलाह.

एहि पर बाबा के साफ कहनाय छनि जे कपिल सिब्बल हुनका सं कहलखिन्ह जे एयरपोर्ट पर मंत्री सभ के जाए के कारण लोक... प्रधानमंत्री नाराज छथिन्ह... एहि लेल एकटा पत्र लिखि कs दिअ नहि तं हमरा सभ के डांट लागत.

सरकार के कहनाय अछि जे आर्डर पांच हजार के लेल गेल छल आओर ओहिठाम जमा भेल छल पचास हजार. एहि सं लॉ एंड आर्डर के समस्या ठाड़ भ गेल छल. दिल्ली के बंधक जकां बना लेल गेल छल.

मुदा जखन शुरु भेल छल तं सरकार... पुलिस कतs छल. सरकार के मंत्री...नेता बाबा सं बातचीत करय छलाह तखन ई सभ नहि देखल गेल छल. सरकार के हिसाब सं होए तं नीक आओर नहि होए तं खराब.

बाबा रामदेव के किनको संग मिलल होए...हुनका संग मंच पर कोई आएल होए...हुनका किनको समर्थन मिलल होए....एहि सं फर्क नहि पड़ैत अछि. हुनकर मंशा कि अछि. हुनकर मंजिल कि अछि ई देखिऔ.

चाहे आरएसएस के समर्थन होए आ वीएचपी के ...कोन फर्क पड़ैत अछि? अगर अहां बड़का धर्मनिरपेक्ष छी तं एतेक दिन कतs सुतल छलहुं. अहां कालाधन.. भ्रष्टाचार के खिलाफ एतेक दिन किएक नहि हो-हल्ला करलहुं.

बाबा रामदेव के तं अहांके धन्यवाद देबाक चाही जे ओ अहां सभ के लेल ठाड़ भेलाह. देश के करोड़ों आम लोक के लेल ठाड़ भेलाह. ओ अपना लेल नहि हमरा अहां के लेल लड़य लेल आगां अएलाह.

आखिर अखन धरि कोई काला धन के वापस लाबय लेल सरकार पर एतेक जोरदार ढंग सं दबाव किएक नहि बनौलक. आखिर एहि सं ककरा नुकसान अछि? कानून बनलाह सं ककरा घाटा अछि?

देश के लाखों करोड़ रुपया जे विदेशी बैंक मे अछि. देश के हजारों-लाखों करोड़ रुपया जे भ्रष्टाचार के कारण किछ लोक के पॉकेट मे गेल अछि ओ कि आम लोक के पास अछि?

ई किछ खास लोक के पास अछि. ई नेता...बड़का अफसर... प्रभावशाली लोक के पास अछि. ओ नहि चाहैत अछि जे ई कानून बनय... हुनकर विदेश मे राखल पाई भारत वापस आबय.

अगर ओ पाई वापस आएत तं ककरा फायदा होएत. देश के हजारों स्कूल ..कॉलेज... अस्पताल...सड़क...पुल बनि सकैत अछि. बच्चा सभ के मुफ्त शिक्षा मिल सकैत अछि. मुफ्त इलाज मिल सकैत अछि. अहांक जीवन स्तर सुधरि सकैत अछि.

मुदा ई नेता...अफसर नहि चाहैत अछि जे अहांक हाल नीक होए. अहां हुनकर बराबरी मे आबि. घोटाला पर घोटाला भ रहल अछि. मुदा जखन हो-हल्ला नहि होए सरकार ओहि पर कार्रवाई नहि करैत अछि.

चाहे CWG होए... 2G घोटाला होए...आदर्श घोटाला होए..महंगाई होए सरकार मंत्री के ...अफसर के बचाव करैत रहल. खुद ईमानदार प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह राजा...कलमाड़ी...कनिमोझी के बचाव करैत रहलाह. आई कि अछि?

ओ तं विपक्ष के दबाव आओर न्यायपालिका के सख्ती जे सरकार...मनमोहन सिंह के बाध्य होए पड़ल कार्रवाई के लेल. नहि तं कि लगैत अछि राजा अखन जेल मे रहैत?

कलमाड़ी के बचाब होएत रहल. राष्ट्रमंडल खेल मे हजारों करोड़ के घोटाला भेल. मुदा सरकार काफी मशक्कत के बाद कार्रवाई करलक कोर्ट के सख्ती के बाद. कि अहां चाहैत छी जे आगां सेहो एहिना होएत रहय?

सरकार के खिलाफ जे... जे आवाज उठौलक ओकरा डरा-धमका के चुप कराबय के कोशिश करल गेल. दस तरह सं फंसाबय के कोशिश करल गेल. आओर हम अहां अतेक बेबकूफ जे नेता सभ के चिक्कन...चुप्पड़ बात पर पिसैझ जाए छी.

सोचय के बात अछि जे आखिर बाबा रामदेव गलत कि करि रहल छथिन्ह? ओ गलत कि कहि रहल छथिन्ह? अगर बाबा भ्रष्ट छथिन्ह तं नवका कानून के जद मे बाबा सेहो अएताह नहि?

अगर बाबा के पास सही कमाई नहि होएत तं ओ सेहो भ्रष्टाचार...कालाधन कानून के अंदर भीतर जा सकय छथि. अगर बाबा गलत होताह तं कि ओ एहि के खिलाउ ठाड़ होए के हिम्मत देखएताह? सोचिऔं.

दिग्विजय सिंह...कांग्रेसी नेता अगर सभ धर्म के धर्मगुरु सं मिलय तं नीक...ओ धर्म निरपेक्ष आओर बाबा रामदेव कोनो हिन्दू संत सं मिलय तं साम्प्रदायिक?
आखिर ई अहांक कोन विचारधारा अछि?

ई सिविल सोसायटी के लोक सं सेहो पूछय के अछि जे अगर हुनकर मंच पर हिंदू छोड़ि दोसर सभ धर्म के लोक होए तं ओ धर्मनिरपेक्ष आओर अगर बाबा रामदेव के मंच पर हिन्दू साध्वी मौजूद तं बाबा आरएसएस के एजेंट?

नेता सभ के एहि अंग्रेजक फूट डालो...शासन करो के नीति के समझु. ओ अहां...हमरा उल्लू बना अपन उल्लू सीधा करय छथिन्ह.

लोकतंत्र मे सभ लोक के अपन विचार राखय के आजादी अछि. आओर ई तं देशक भलाई के लेल छल. अगर बाबा के संग रामलीला मैदान मे मौजूद 50 हजार सं बेसि लोक सं हिंसा के खतरा छल तं कि अहां के लगैत अछि जे ओहिठाम मौजूद लोक के इच्छा के खिलाफ पुलिस बाबा के ओहिठाम सं लs जाएत.
ओ तं ओहिठाम मौजूद लोक शांति के पुजारी छलाह...शांतिपूर्ण ढ़ंग सं अनशन पर बैसल छलाह.

अगर ओहि मे सं किछिओ लोक पुलिस के आगां विरोध मे ठाड़ भ जाएत तं कि पुलिस बाबा के लs जाए मे कामयाब भ पाएत? अहां शांति सं बैसल लोक पर डंडा बरसा रहल छी...आंसू गैस के गोला छोड़ि रहल छी आओर बाबा के दोषी ठहरा रहल छी.

अगर कपिल सिब्बल...सहाय जी...कांग्रेस...यूपीए सरकार कालाधन...भ्रष्टाचार पर सभ मांग मानि लेने छल तं एतेक देर किएक? ओ एकर एलान किएक नहि करि दय छथिन्ह.

कोर्ट कहैत... कहैत रहि गेल...मुदा सरकार स्विस बैक के खाताधारी के नाम बताबय सं इनकार करि देलक. अगर सरकार के मंशा साफ अछि तं अतेक देर किएक?



click here

Share/Save/Bookmark


click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com


Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु