नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिजली भेल महंग

बिजली संकट के मारि सं त्रस्त बिहार के जनता के सरकार एकटा जोरक झटका देलक अछि. एक तं लाइन नहि दोसर बिजली महंग. सरकार के एहि कदम सं लोक खिसिआएल छथिन्ह.

जखन सर्विस नीक रहैत अछि तं लोक के पाई देबय मे कष्ट नहि होए छनि. मुदा सर्विसों नीक नहि आओर पाइओ बेसि...ई तं ग्राहक पर एकटा जुल्म जकां अछि.

नीक सर्विस...चौबीसों घंटा बिजली के नाम पर एक तरह सं सरचार्ज सेहो लगाएल गेल अछि. जतय हरदम बिजली मिलैत अछि ओतय आन ठाम के तुलना मे आओर बेसि
पाई लेल जाएत.पटना जतय एक तरह सं चौबीसों घंटा बिजली मिलैत अछि ओतय लोक के 10 प्रतिशत बेसि बिल चुकाबय पड़तन्हि.

एकटा बात आओर बढ़ल बिल आगां सं नहि पिछला मास मई सं लागत. अहां के जे नवका बिजली बिल आएत ओ बढ़ल बिजली दर सं आएत. महंगाई मे ई आओर कष्ट बढ़ाएत.

रेट के देखय जाए तं 100 यूनिट तक बिजली इस्तेमाल करय वाला ग्राहक के आब 2.20 के जगह 2 रूपया 50 पैसा प्रति यूनिट के हिसाब सं बिल केर भुगतान कर पड़त.

एक सय सं 200 यूनिट वाला के 3 रुपया 10 पैसा के हिसाब सं आओर 200 सं 300 यूनिट खर्च करय वाला के तीन रुपया 75 पैसा के हिसाब सं भुगतान करय पड़तन्हि.

एहि सं ऊपर बिजली इस्तेमाल करय वाला के 4 रुपया 70 पैसा प्रति यूनिट के हिसाब सं बिल चुकाबय पड़तन्हि. संगहि-संग पहिने जे फिक्स रेट 90 रुपया वाला छल ओकरा बढ़ाsक 150 टका करि देल गेल अछि.

अहां कहि सकय छी जे सरकार के सेहो मजबूरी अछि. सरकार के पास पाई नहि अछि. बिजली खरीदय लेल पैसा नहि अछि. मुदा सुनय मे आबैत अछि जे अखनो कइटा एहन प्रभावशाली लोक छथिन्ह जिनका पर लाखों रुपया बिजली बिल बकाया अछि मुदा हुनका सं वसूलल नहि जा रहल अछि.

सरकार के वसूली पर सेहो सख्त होबय पड़त. एहि बात के ध्यान राखय के जरूरत अछि जे बिजली चोरी पर लगाम लागय. बिजली के अनेरो नुकसान नहि होए.

अखनो बिहार के कइटा एहन गाम अछि जतय बिजली नहि पहुंचल अछि. हमर गाम मे करीब चालीस साल पहिने सं बिजली अछि मुदा आस पास के कइटा गाम मे अखन धरि नहि पहुंचल अछि.

सरकार के बिजली रेट बढ़ाबय के खिलाफ विपक्षी पार्टी सभ आंदोलन के एलान करलक अछि. आरजेडी के कहनाय अछि जे ओ संपूर्ण क्रांति दिवस के मौका पर पांच जून के पूरा राज्य मे करत.

एहि महंगाई मे एकटा कष्ट नहि अछि. दालि...चाउर...तीमन...तरकारी...दूध...गैस... पेट्रोल...डीजल...खाद सभक दाम आसमान पर जा रहल अछि. केना जीबत लोक?



click here

Share/Save/Bookmark


click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com


Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु