नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्म लेबय लेल उमड़ल भीड़

बिहार मे भारी संख्या मे टीचर बहाली होए वाला अछि. एहि के लेल शिक्षक पात्रता परीक्षा 17 जुलाई के होएत. परीक्षा मे शामिल होए लेल 25 मई सं फार्म भरा रहल अछि.

शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्म लेबय लेल राज्य के सभ जिला मे लोक के भारी भीड़ उमड़ि रहल अछि. शिक्षक पात्रता परीक्षा मे शामिल होए वाला उम्मीदवार सभ जल्दी सं जल्दी फार्म लs भरि दय चाहय छथिन्ह.

आई-काल्हि सभ बैंक आओर जतय फार्म मिल रहल अछि ओतय अहांके भावी शिक्षकक भीड़ देखा जाएत. बैंक सभ मे भारी संख्या मे बैंक ड्राफ्ट बनि रहल अछि आओर ड्राफ्ट लsक लोक फार्म खरीद रहल छथिन्ह.

सभ जिला मे फार्म मिलय के टाइम अलग-अलग अछि. कई ठाम ई 10 बजे सं तं कई ठाम 11 बजे सं मिलैत अछि. फार्म खरीदय जाए सं पहिने
टाइम पता करि लेल जेहि सं गर्मी मे अहांके बेसि परेशानी नहि होए.

जतय फार्म मिल रहल अछि ओतय भीड़ के देखैत कइटा एक्ट्रा काउंटर बनाएल गेल अछि. बिहार मे कई ठाम तं फार्म के लsक मारि-पीट ...कर्मचारी के संग हाथापाई तक भ गेल अछि.

असल मे बिहार मे करीब तीन लाख शिक्षकक बहाली होए वाला अछि. अतेक भारी संख्या मे बहाली के देखैत लोक सभ एहि नीक मौका के छोड़य नहि चाहय छथिन्ह...फार्म भरि रहल छथिन्ह.

बिहार मे रहय वाला लोक सभ तं फार्म भरिए रहल छथिन्ह जे लोक बाहर रहय छथिन्ह हुनका बुलाsक सेहो फार्म भराएल जा रहल अछि. एक परिवार मे कई-कईटा फार्म भरा रहल अछि.

अगर अहां नौकरी के तलाश मे छी तं देर नहि करु. जल्दी सं ड्राफ्ट बनाउ आओर फार्म खरीद आवेदन करि दिऔ.एससी-एसटी के लेल परीक्षा फीस 50 रुपया आओर सभ के लेल 100 रुपया अछि.

पात्रता परीक्षा के फॉर्म 25 तारीख सं 6 जून तक मिलत. एकरा 10 जून तक भरि कs जमा करय के अछि. फॉर्म भरला के बाद 17 जुलाई के परीक्षा होएत.

परीक्षा मे दू पत्र होएत. अगर अहां प्राइमरी स्कूल... पहिल सं पाचिम तक के लेल टीचर बनय चाहय छी तं पहिल सत्र मे परीक्षा होएत. आओर अगर मिडिल स्कूल... छठिम सं आठिम क्लास के पढ़ाबय चाहय छी तं दोसर सत्र मे अहांक परीक्षा होएत. अगर दूनु परीक्षा देबय चाहय छी तं दूनु के लेल फॉर्म भरय पड़त.

प्राइमरी स्कूल के लेल जरूरी योग्यता अछि कम सं कम इंटर आ एकर समकक्ष... जखन कि मिडिल स्कूल के लेल स्नातक आ ओकर समकक्ष योग्यता होबाक चाही.

एक बात आओर जे अहां इंटर आ बीए कम सं कम 50 प्रतिशत अंक सं जरूर पास करने होए. ट्रेंड आ एससी-एसटी के 5 फीसदी अंक के छूट मिलतन्हि.

फॉर्म भरय के उम्र सीमा 37 साल अछि. पिछड़ा वर्ग के लेल 40 साल आओर एससी-एसटी के लेल 42 वर्ष अछि. जे टीचर ट्रेनिंग करने छथिन्ह हुनका 5 साल के छूट मिलतन्हि.


click here

Share/Save/Bookmark


click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com


Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु