नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आब बिना ड्राफ्ट के लिअ शिक्षक पात्रता परीक्षा फॉर्म

शिक्षक पात्रता परीक्षा के फार्म आब बिना ड्राफ्ट के पाई दsक मिलत. बीच मे ड्राफ्ट के लsक भेल हंगामा के कारण सरकार के तरफ सं ऐना कएल गेल अछि.

असल मे राज्य मे आई-काल्हि जेम्हर देखु ओम्हर...चारु कात शिक्षक पात्रता परीक्षा के चर्चा चलि रहल अछि. राज्य के इंटर पास...बीए पास लोक सभ फार्म भरय मे लागल छथिन्ह.

मुदा शुरुआती तीन दिन बैंक ड्राफ्ट बनाबय मे भ रहल देरी के कारण कई ठाम हो-हल्ला भ गेल. गया... समस्तीपुर... छपरा आओर कई ठाम बैंक मे तोड़फोड़ सेहो भेल. बैंक मे ड्राफ्ट बनाबय मे होए वाला
देरी सं लोक खिसिआ गेलखिन्ह.

लोक सभ के गुस्सा के देखैत सरकार तरफ सं कहल गेल अछि जे शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्म लेबय लेल लोक के आब ड्राफ्ट देबय के जरूरत नहि अछि. अहां नकद फार्म खरीद सकय छी.

आब अहां एक सय रुपया नकद दsक काउंटर सं फार्म खरीद सकय छी. एससी-एसटी के लेल फार्म के दाम मात्र 50 टका अछि. लोक के गुस्सा के देखैत काउंटर के संख्या सेहो बढ़ाबय के आदेश देल गेल अछि.

एकटा नीक गप आओर अछि जे टीचर ट्रेंनिंग कएल उम्मीदवार के उम्रसीमा मे छूट के 5 साल सं बढ़ा कs 10 साल करि देल गेल अछि. एकरे संग महिला आओर ओबीसी के लेल उम्रसीमा 50 साल आओर एसएस-एसटी के लेल 52 साल करि देल गेल अछि.

पात्रता परीक्षा के फॉर्म 25 तारीख सं 6 जून तक मिलत. एकरा 10 जून तक भरि कs जमा करय के अछि. फॉर्म भरला के बाद 17 जुलाई के परीक्षा होएत.



click here

Share/Save/Bookmark


click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com


Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु