नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्मक बिक्री पर लागल रोक


बिहार मे शिक्षक पात्रता परीक्षा के फार्म बेचय पर फिलहाल रोक लगा देल गेल अछि. फार्म के लsक राज्य भर मे कई ठाम भेल भारी हो-हंगामा के देखैत ऐना कएल गेल अछि.

पहिने फार्म खरीदय लेल एससी-एसी के 50 टका के आओर दोसर लोक के 100 टका के बैंक ड्राफ्ट बनानाय जरूरी छल. ड्राफ्ट जमा करला पर फार्म मिलैत छल.

मुदा बिहार मे बैंक के सुस्त चाल सं ड्राफ्ट बनय मे दिक्कत के देखैत सरकार के
तरफ सं कहल गेल जे बिना ड्राफ्ट के सेहो फार्म मिलत.

ड्राफ्ट के झंझट हटैत फार्म खरीदय लेल हर जिला मे लोक के भारी भीड़ उमड़ि गेल. कई ठाम खिसिआएल लोक सभ तोड़-फोड़ सेहो करलखिन्ह.

आब भीड़ उमड़य लागल तं हर जिला मे फार्म के कमी होए लागल. सरकार तीन लाख टीचर के बहाली के लेल दस लाख फार्म छपौने छल.

मुदा जेहि हिसाब सं लोक फार्म खरीदय लेल आगां अएलाह...ओकर उम्मीद सरकार के नहि छल. एक तं फार्म के कमी दोसर प्रचंड गर्मी.

एहि गर्मी मे फार्म मिलय मे भ रहल देरी सं लोक आओर गरमाए लगलाह. लोक के बढ़ैत गुस्सा के देखैत सरकार के फार्मक बिक्री पर रोक लगाबय के फैसला लेबय पड़ल.

सरकार आब करीब तीस लाख फार्म छपि गेलाह के बाद फार्म बेचनाय शुरू करत. आब जखन फार्म बेचय पर रोक लागि गेल अछि उम्मीद अछि सभ किछ फेर सं शुरू कएल जाएत.

आब जे फार्म आएत ओहि के बेचय लेल पहिने सं बेसि काउंटर बनाएल जाएत आओर सरकार के कोशिश रहत जे हर जिला मे पांच-सात ठाम फार्म बेचय जाए... जेहि सं लोक के बेसि परेशानी नहि होए.

फार्म जमा करय के लास्ट डेट फेर सं निकालय जाएत... संगहि- संग शिक्षक पात्रता परीक्षा के नवका तारीख सेहो घोषित कएल जाएत.

सभसं खास बात ई जे अगर अहां फार्म खरीद देने छी... आ फेर ड्राफ्ट बना लेने छी तं परेशान होए के कोनो बात नहि. अहां पहिने खरीदय फार्म के सेहो भरि सकय छी.

आओर ओहि ड्राफ्ट सं नवका फार्म सेहो खरीद सकय छी. एहि लेल ड्राफ्ट के वापस करय के जरूरत नहि अछि. ओकरा राखने रहुं.

जखन धरि नवका फार्म आबैत अछि आओर परीक्षा के नवका तारीख के एलान कएल जाएत ताबैत धरि अहां सभ जोर-शोर सं परीक्षा के तैयारी करु.

बाद के ई शिकायत नहि करब जे तैयारी लेल समय नहि मिलल. एकरा पॉजिटिव रूप सं लिअ जे अहां के तैयारी लेल सरकार के तरफ सं आओर समय मिलल अछि.

पहिल के घोषणा के अनुसार परीक्षा 17 जुलाई के होए वाला छल. आब भ सकैत अछि जे एहि मे हेरफेर होए. ओना सरकार के कहनाय अछि जे एक हफ्ता के अंदर नवका तारीख घोषित करि देल जाएत.




click here

Share/Save/Bookmark


click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com

Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु