नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आब मधुबनी शैली मे कार्टून

आब अहांके जल्दीए मधुबनी शैली मे बनल कार्टून देखय के मौका मिल सकैत अछि. कार्टून बनाबय के ई शुभ काज करय जा रहल अछि रिलायंस बिग एम्स... Reliance BIG AIMS (Animation Infotainment & Media School).

रिलायंस बिग एम्स एहि सं पहिने बच्चा सभ के लोकप्रिय कार्टून लिटिल कृष्णा बना चुकल अछि. रिलायंस बिग एम्स के कहनाय अछि जे देश के कला-संस्कृति के बढ़ावा देबय लेल ओ मधुबनी पेंटिंग आओर दोसर शैली मे कार्टून बनाएत.
बिग एम्स के मुताबिक डिजिटल तकनीक सं
बनाएल जा रहल एहि शैली के कार्टून सं दुनिया भर के लोक मधुबनी...मिथिला पेंटिंग के बारे मे जानि सकथिन्ह. एहि सं ई दुनिया भर मे आओर लोकप्रिय होएत.

रिलायंस बिग एम्स एहि के लेल मधुबनी पेंटिंग आओर महाराष्ट्र-गुजरात के वार्ली पेटिंग शैली सं कार्टून किरदार बनाबय मे लागल अछि. बिग एम्स एहि सं पहिने वार्ली पेंटिंग के इस्तेमाल कोक के विज्ञापन मे करि चुकल अछि.


रिलायंस बिग एम्स के ई नीक कदम अछि. एहि पहल के देखि दोसर कंपनी... संस्थान सेहो मिथिला पेंटिंग सं दोसर आओर चीज बनाबय लेल आगां अएताह. दस तरहक आइडिया खोजताह.

एहि सं मिथिला पेंटिंग सं जुड़ल लोक... कलाकार... जानकार के सेहो फायदा मिलतन्हि. हुनका नवका-नवका अवसर हाथ लगतन्हि. देश-दुनिया मे नाम सेहो होएत.



click here

Share/Save/Bookmark



click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु