नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मीडिया के सभ खबर एकठाम

अहां हम सभ देश- विदेश...गाम-घर के खबर तं पेपर...पत्रिका...टीवी और रेडियो पर पढ़ि...देख-सुनि लैत छी. मुदा कि अहां सभ एहि बात पर गौर करलौं जे मीडिया सं जुड़ल खबर आम लोक के पहुंच सं बड़ दूर रहैत अछि.

एहि बारे मे लोक के किछ नहि पता चलैत अछि जे मीडिया मे कि भs रहल अछि. कार्यपालिका...विधायिका...न्यायपालिका के जकां पत्रकारिता के भीतरक हलचल आम लोक के भनक नहि लगैत अछि.

एहन नहि अछि जे मीडिया सं जुड़ल बाहर नहि अबैत अछि. आबैत अछि मुदा ओकरा
आम लोक नहि जानि पाबय छथिन्ह. आब मीडिया सं जुड़ल कइटा साइट आबि गेल अछि.

ओहि मे मीडिया खबर... भड़ास ... मीडिया मीमांसा... विस्फोट... छपास... जनसत्ता एक्सप्रेस... मीडिया मोर्चा आओऱ मीडिया सरकार जकां कइटा साइट अछि. अहां सभ एहि साइट पर जाsक मीडिया सं जुड़ल खबर देख सकय छी.

मुदा कई बेर एहन होएत अछि जे अहां सभ साइट पर नहि जा पाबय छी. एहि के कारण कइटा खबर नहि मालूम भ पाबैत अछि. अहां खबर सं अनजान बनल रहैत छी.

मीडिया सं जुड़ल लोक के लेल ई बड़ जरूरी रहैत अछि जे ओ मीडिया के हलचल सं अवगत रहि. नहि तं कई बेर मीडिया के हॉट टॉपिक के चर्चा सं अहां बेखबर रहि जाएत छी.

एहि सभ के ध्यान मे राखैत एकटा ब्लॉग अहां सभ के लेल अछि. मीडिया साइड..  .  http://mediaside.blogspot.com  अहां एहि ब्लॉग पर जाsक मीडिया के सभ खबर एकहि ठाम देख सकय छी.

अहां सभ एहि लिंक... ब्लॉग के बुकमार्क क लिअ... आ फेर एड फेवरिट क लिअ. जेहि सं बेर-बेर पूरा लिंक लिखय के जरूरत नहि पड़त. एहि ब्लॉग पर अहां के भड़ास... मीडिया खबर... एक्सचेंज 4 मीडिया... छपास सभ एकहि ठाम पढ़ि सकय छी.

एहि ब्लॉग मे अहां के तमाम मीडिया साइट के टॉप 5 स्टोरी...खबर मिल जाएत. ओहि साइट पर नवका खबर डलाएते एहिठाम अपडेट भ जाएत. एहि सं अहां कोनो खबर सं अनजान नहि रहब.

जे खबर अहां के पढ़य के होए ओहि खबर के क्लिक करू आओर ओहि खबर के पढ़ि लिअ. एहि ब्लॉग के साइड मे मीडिया सं जुड़ल किछ काजक लिंक सेहो देल गेल अछि.

तं एहि ब्ल़ॉग पर जाsक ...बुकमार्क कs मीडिया सं जुड़ल रहुं.




click here

Share/Save/Bookmark



click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com


Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु