नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पटना मे खुलत चीनी अध्ययन केंद्र

बिहार के जे विद्यार्थी चीनी भाषा सीखय चाहय छथिन्ह हुनका आब बाहर जाए के जरूरत नहि पड़तन्हि. चीनी अध्ययन केंद्र आब पटने मे खुलि रहल अछि.

चाइना विश्वविद्यालय के तरफ सं पटना विश्वविद्यालय के पास एकटा प्रस्ताव आएल अछि . जेहि मे चीनी अध्ययन खोलय के जिक्र अछि.

तीन मास पहिने चीन सं एकटा दल आएल छल ओ पटना मे कइटा विद्धान
लोक सभ सं मिललखिन्ह. ओहि टाइम दुनू देश के शिक्षा-संस्कृति के आदान-प्रदान पर बात भेल छल.

एकरा ओहि कड़ी के रूप मे देख सकय छी. पटना विश्वविद्यालय के तरफ सं सुरसार भ रहल अछि. निदेशक के खोज सेहो होए लागल अछि.

अगर सभ किछ नीक रहल तं जल्दीए पटना मे अध्ययन केंद्र खोलि देल जाएत. एकरा लेल दुनू विश्वविद्यालय मे पांच साल लेल करार होएत जकरा बाद मे बढ़ाएल जा सकैत अछि.

चीन भारत के पड़ोसी देश अछि. भारत के बाजार चीनी सामान सं पटल रहैत अछि. चीनी सामान देखय मे सुन्दर आओर सस्ता होए के कारण हाथोंहाथ बिकैत अछि

एम्हर नेपाल मे सेहो चीन अपन काफी गतिविधि बढ़ौलक अछि. बिहार मे चीनी साइकिल के कारखाना सेहो खुलि रहल अछि.

चीनी दुनिया के एकटा प्रमुख शक्ति अछि. दुनिया के कोनो देश चीन सं हटि क नहि सोचि सकैत अछि. एहन मे चीनी भाषा सीखनाय भारत के लेल नीक रहत.

आओर फेर एहि सं नीक गप कि होएत जे ई पहल खुद चीन के तरफ सं भेल अछि. बेसि सं बेसि विद्यार्थी के एहि मौका के फायदा उठयबाक चाही.




click here

Share/Save/Bookmark



click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com


Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु