नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

साइकिल हब बनत बिहार

बिहार साइकिल हब बनय के दिशा मे बढि रहल अछि. राज्य मे बढ़ैत मांग के देखैत कइटा साइकिल कंपनी के नजर बिहार पर अछि. साइकिल कंपनी बिहार मे अपन कारखाना लगाबय चाहैत अछि. एहि के लेल कंपनी जोर-शोर सं लागल अछि.

असल मे बिहार के स्कूल मे साइकिल योजना शुरू भेलाह के बाद राज्य मे एकर मांग काफी बढ़ि गेल अछि. पिछला चारि साल मे करीब पचीस लाख साइकिल सिर्फ स्कूली विद्यार्थी के लेल खरीदल गेल अछि.

सरकार के एहि अभियान के कारण स्कूल मे दाखिला बढ़य...उपस्थिति बढ़य सं उम्मीद तं ई अछि जे एहि साल करीब
12 लाख साइकिल खरीदल जाएत. आब विद्यार्थी के साइकिल के लेल ढ़ाई हजार रुपया देल जाएत अछि.

जतय एतेक संख्या मे साइकिल के खरीद-बिक्री होए...साइकिल के एतेक बड़का मार्केट होए ओतय तं कंपनी के नजर रहबे करत. एहि ट्रेंड के फायदा उठाबय लेल कंपनी जल्द सं जल्द अपन कारखाना बिहार मे खोलि लेबय चाहैत अछि.
टीआई साइकिल्स हाजीपुर मे साइकिल कारखाना लगा रहल अछि. ओ करीब 50 करोड़ रुपया के निवेश करि रहल अछि. एहि हफ्ता हीरो साइकिल के पंकज मुंजाल जी सेहो पटना मे छलाह. ओ कारखाना लगाबय लेल बातचीत मे लागल छथिन्ह.

हीरो ग्रुप बिहार मे साइकिल कारखाना लगाबय चाहैत अछि. हीरो के सेहो हाजीपुर...मुजफ्फरपुर के बीच जगह मिल सकैत अछि. हीरो चूंकि दुनिया के सभसं पैघ साइकिल बनाबय वाला कंपनी मे सं अछि ताहि लेल निवेश सेहो बेसि करत.

हीरो एहिठाम मोटर साइकिल के पार्ट-पुर्जा सेहो बना सकैत अछि. मुंजाल जी एहि के लेल सरकार के आला अधिकारी सभ सं मिललाह. उम्मीद अछि जल्दीए काज शुरू होएत. कहल त इहो जा रहल अछि जे कंपनी पहिनहि काफी किछ तैयारी करि लेने अछि.

खबर तं इहो अछि जे एकटा चाइनीज साइकिल कंपनी अपन असेंबली प्लांट दरभंगा के सिमरी मे लगाबय जा रहल अछि. ओना अखन एहि कंपनी के आईएसओ मार्क नहि मिलल अछि आओर सरकारी खरीद के लेल ई अनिवार्य शर्त अछि.

कंपनी एकर जोगाड़ मे लागल अछि जे जल्दीए ई काज भ जाए. चाइनीज कंपनी के संग ई प्लस प्वाइंट अछि जे एकर साइकिल अंतर्राष्ट्रीय स्तर के होएतहुं कम दाम के अछि. कंपनी के माननाय अछि जे सस्ता होए के फायदा ओकर साइकिल के मिलत.

जे होए बिहार मे साइकिल के बाजार गरमाएल जा रहल अछि. नव-नव कारखाना खुलय...दोकान खुलय सं लोक के रोजगार मिलत... बाजार बनत...राज्य मे पाई आएत. ई राज्य के लेल नीक खबर अछि.

click here

Share/Save/Bookmark


click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु