नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

गर्मी छुट्टी शुरू होए वाला अछि. बच्चा सभ आम खाय लेल आ दादा-दादी सं मिलय लेल गाम जाए चाहय छथिन्ह. लगन सेहो शुरू भ रहल अछि. गाम मे कइटा विवाह अछि. बारात जाए आओर भोज खाए के नीक मौका अछि.

मुदा जखन टिकट लेल गेलहुं तं कोनो ट्रेन मे टिकट नहि मिलल. आब समस्या ई जे गाम केना जाएल जाए. आब आ तं दलाल सं टिकट लेल जाए आ फेर तत्काल के इंतजार कएल जाए. तत्काल मे कोनो ठिकान नहि. खिड़की खुलल नहि कि
सीट फुल.

दलाल सं टिकट लेबय के मन नहि मानैत अछि. बस सं कइ ठाम होएत जनाय मे भारी परेशानी अछि. एकसरे रहला पर लटकैत-फटकैत केहुना लोक जा सकैत अछि मुदा परिवार के संग जनाए परेशानी भरल होएत अछि.

लगैत अछि एहि बेरक छुट्टी मे फेर गाम नहि जा पाएब आओर बारात सेहो नहि जा पाएब. गामक पांत मे बैसि क भोज खाए वाला आनंद लेलाह सेहो बड़ दिन भ गेल. एकर फेर सं आनंद उठाबय मे लगैत अछि समय लागत.

मन मारिsक बैसल छी. सोचि रहल छी जे कतेक नीक रहैत जे दरभंगा लेल सेहो हवाई सेवा रहैत. दिल्ली मे चढ़तौं आओर दू-ढ़ाई घंटा बाद दरभंगा. ट्रेन जकां मारामारी सेहो नहि रहैत. आराम सं दरभंगा पहुंचि जएतौं.

ट्रेन मे एसी मे जतेक टाका लगैत अछि ओहि सं भने प्लेन मे दूना टिकट लगैत अछि मुदा समय के कतेक बचत होएत अछि. चौबीस सं तीस घंटा के बदला दू सं तीन घंटा मे दरभंगा पहुंचि जाउ.

अखन दरभंगा से दिल्ली... मुम्बई... कोलकाता... पुणे... बंगलुरु आओर दोसर ठाम के लेल ट्रेन सेवा अछि. सभ मे एसी डिब्बा सेहो भरल रहैत अछि. एसी मे सेहो कंफर्म टिकट जल्दी नहि भेटैत अछि.

यानी लोक सुविधा रहला पर एसी मे आ-जा रहय छथिन्ह. दरभंगा आओर मिथिला के बड़ लोक दिल्ली आओर दोसर ठाम जाए लेल पटना आबि प्लेन पकड़य छथिन्ह. मिथिलाक बड़ लोक हवाई सुविधा के लाभ उठाबय छथिन्ह.

अगर इहे सुविधा दरभंगा सं शुरू भ जाए तं लोक पटना जा हवाई जहाज सं किएक उड़ताह...सीधा दरभंगा सं कोलकाता...दिल्ली... मु्म्बई जएताह. बस लोक के सुविधा उपलब्ध होबाक चाही. लोक उपयोग करबे करथिन्ह.

दरभंगा...मधुबनी... सीतामढ़ी...मुजफ्फरपुर...समस्तीपुर...सहरसा आओर नेपालक लोक सभ सेहो एहि हवाई सुविधा के फायदा उठा सकताह. फेर शुरू भ गेलाह के बाद लोक सुविधा के आदी भेलाह पर बेसि आबय जाए लागय छथिन्ह.

दरभंगा सं हवाई सुविधा शुरू करय मे बेसि दिक्कत सेहो नहि अछि. नीक हवाई अड्डा मौजूद अछि. शहर सं पास अछि. दरभंगा मिथिला के केंद्र मे अछि. रेल-बस सं नीक सं जुड़ल अछि. सभ तरहक सुविधा सेहो अछि.

ओना पटना के लेल बीच मे हवाई सेवा शुरू भेल छल मुदा जहाज के हवाई पट्टी सं फिसलि जाए के कारण फेर शुरू नहि भ पाएल. ओना दरभंगा सं हवाई सेवा शुरू भेलाह पर लोक के नीक रिस्पांस मिलत.

दिल्ली मे बिहारक...मिथिलाक कइटा बड़का अधिकारी... डायरेक्टर... सेक्रेट्री... व्यापारी सभ सं कई बेर गप भेल ओ सभ सेहो एहि बात पर दुख जताबैत छथिन्ह जे दरभंगा लेल हवाई सेवा नहि अछि.

दरभंगा जाए लेल अखन पहिने हवाई जहाज सं पटना जाए पड़ैत अछि...फेर ओहि ठाम सं कार...टैक्सी करि दरभंगा...मधुबनी जाए पड़ैत अछि. फेर आई-काल्हि पटना मे गांधी सेतु पार करनाए एकटा बड़का संकट अछि.

आई-काल्हि पटना मे एहि पुल पर भारी जाम लगैत अछि जे तं कई-कई बेर घंटों रहैत अछि. हमर एकटा जानकार के दरभंगा सं पटना आबि...हवाई जहाज पकड़ि दिल्ली आ फेर एहि ठाम सं ऑस्ट्रेलिया जएबाक छलन्हि मुदा ओ पुल पर जाम मे चारि घंटा फंसल रहलाह.

जेहि कारण हुनकर फ्लाइट छुटि गेलन्हि आ ओ दिल्ली नहि आबि सकलाह. हुनकर पूरा के पूरा शिड्यूल गड़बड़ा गेलन्हि. अगर दरभंगा सं हवाई सेवा रहैत तं एहन हाल नहि भेल रहैत.

एहि के लेल मिथिला के ...इलाका के लोक सभ के सरकार के मांग करबाक चाही. उत्तर बिहार के एमपी...एमएलए के विमानन मंत्री पर हवाई सेवा शुरू करय लेल दबाव बनयबाक चाही. एहि सं लोक के तं सुविधा सेहो मिलतन्हि... इलाका के विकास सेहो होएत.

नवका-नवका लोक अएताह... पर्यटन के बढ़ावा मिलत. होटल खुलत... निवेश होएत... लोक के जीवन स्तर मे सुधार सेहो होएत. तं आब अहां सभ सेहो हवाई सुविधा लेल सोचु. बड़का सोचब तं बड़का होएत.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

4 टिप्‍पणियां:

  1. हितेंद्र जी स्प्रिट एयरवेज पिछला छह मास स केंद्र सरकार स पटना हवाई अडडा पर दू घंटा जहाज रखबा लेल जगह मांगी रहल अछि, मुदा इ फाइल प्रफुल पटेल उलटबाक कष्‍ट नहि केलथि, दरभंगा जिलाक एकटा विधायक स हमर गप भेल त ओ साफ कहला जे हवाई जहाज स की होएत, ओहि स बेसी जरूरी एहि ठाम आन चीज अछि, दरअसल बिहार मे कोनो काज एखन तखने होइत अछि जखन नीतीश कुमार ओकरा अपन इज्‍जत बना लैत छथि, एहि काज लेल हवाई सेवा कंपनी तैयार अछि, सवारी तैयार अछि, आधारभूत संरचना तैयार अछि, भारतीय वायु सेना अपन एयरबेस देबा लेल तैयार अछि, तैयार नहि अछि त केवल नागरिक उडडयन मंत्रालय, जे यूपीए सरकार क भीतर बिहार विरोधी काज मे सतत लागल अछि

    जवाब देंहटाएं
  2. बहुत नीक प्रस्ताव अछि, परन्तु विमान कंपनी सब के लोकक सुबिधा आ इलाका के विकास स बेसी बैलेंस सीट आ वित्तीय साध्यता स मतलब रहे छैन्ह. इ देखबाक चाही जे कहिया इ सुबिधा अपन क्षेत्र में शुरू होयत.

    जवाब देंहटाएं
  3. Bad Nik Prastaw aaich aai par apan sarkar ka sochba ka chachi lekin ke karbay 15 saal tak je apan bihar ka noch - noch ke khel galay han oo sab ate jaldi thik bhe jete. akhan ta nitish ji ki dosre karyakal suro bhalay han ago - ago dakhio ki sab ho chey. lekin agar aay bat ka kono madhyam se Nitish ji lang pahochabal jay ta iho kaj jaldi se jaldi bha sakai chai.

    जवाब देंहटाएं
  4. shri hitendra jee ahan ken lekh hum barabar padhet chi aur ahan samsamayik khabar dait chi. thai ken lel sadhuvad. darashal darbhanga san any jagah ken lel hawai jahaj ken suvidha jarur howak chahi. jahi ken lel hum sab chautarpha batchit suru karu aur tahi san e kam aasan bh jayat. darshal yahi ken lel sthaniye partinidhi ken sath sabh tarhak log apn e mang karu. yahi ken lel delhi tak sujhw bhejiyek padat takhan bat banye main samay kam lagat.
    dhyanwad.

    Ramakant Chaudhary
    mithila-doot.blogspot.com

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु