नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

अनशन पर बैसल अण्णा के संग आउ...

अमिताभ बच्चन के एकटा फिल्म आएल छल शहंशाह. एहि मे एकटा गाना अछि...अंधेरी रातों मे...सुनसान राहों पर... एक मसीहा आता है जिसे लोग शहंशाह कहते हैं. देश मे आई एक तरहे एहने हाल अछि. सी़डब्ल्यूजी घोटाला... 2जी घोटाला... आदर्श हाउसिंग घोटाला... खाद्यान्न घोटाला... भ्रष्टाचार... तेल-दूध-दाल-चावल केर महंगाई सं लोक त्राहि-त्राहि करि रहल अछि.

चारुकात एकदम सं अन्हार छायल अछि. अंधेरगर्दी मचल अछि. लूट मचल अछि. जकरा जेना भ रहल
अछि देश के लूटि रहल अछि. पाई बना रहल अछि. जेना देश के कोनो फिक्र नहि सभ अपन खाता भरय मे व्यस्त अछि. भाई-भतीजावाद के... लालफीताशाही के बोलबाला अछि. आम लोक अपना के एकदम सं लाचार महसूस करि रहल छथिन्ह.

एहन मे निराश भ चुकल लोक के एकटा उम्मीद के किरण दिखा रहल छथिन्ह 72 साल के बूढ़ गांधीवादी अण्णा हजारे. ओ भ्रष्टाचार के खिलाफ एकटा जनयुद्ध के एलान करि देने छथिन्ह. दिल्ली के जंतर-मंतर पर आमरण अनशन पर बैसि गेल छथिन्ह. एकटा बूढ़ के अनशन पर बैसय सं देश के युवा नवका जोश मे आबि गेल अछि.
अण्णा हजारे
देश के युवा लोकनि के हिनका समर्थन मे आगां आबय सं केंद्र सरकार हिल गेल अछि. सरकार बातचीत सं मामला सुलझाबय के लेल हाथ बढ़ौलक अछि. मुदा अखन धरि सरकार के रवैया टालू रहल अछि. सरकारक एकरा गंभीरता सं नहि लेबय के कोशिश मे अछि. मुदा अण्णा के मिल रहल व्यापक समर्थन सं सरकार मे खलबली सेहो अछि.

देश के कइटा संगठन भ्रष्टाचार के खिलाफ जन लोकपाल बिल लाबय के लेल एकजुट भ गेल अछि. देश भर मे धरना...प्रदर्शन...अनशन भ रहल अछि. एकरा अहां आजादी के दोसर लड़ाई कहि सकय छी. 1947 मे त हम अहां अंग्रेज सं आजाद भेलहुं मुदा देशक अपन लोकक भ्रष्टाचार के गुलाम बनि गेलहुं. नेता... अफसर के एहन गठबंधन बनल जे ओ बनैत गेलाह आओर जनता पिसाएत गेल.

लोक घोटाला... भ्रष्टाचार...महंगाई सं मरैत रहल... आ ओ विदेशी बैंक मे पैसा जमा करैत रहलाह. जनता के हमदर्द बनय के सिर्फ दिखावा होएत रहल. मिठगर-मिठगर गप सं लोक के फुसलाबैत रहलाह. लोक फुसलैत रहलाह. ठगाएत रहलाह...लूटाएत रहलाह. लोक के लेल रोटी... कपड़ा... मकान आओर पढ़ाई-लिखाई के खर्च पूरा करनाय हिमालय पर चढ़ाई करनाय के बराबर भ गेल.
अण्णा केर शंखनाद
मुदा अण्णा के अनशन पर बैसल सं लोक मे एकटा नवका जोश पैदा भेल अछि. अहां सभ सेहो एकटा नवका जोश..जज्बा के संग एक यज्ञ मे शामिल होउ. ओ अपना लेल नहि हमरा-अहां के लेल अनशन पर बैसल छथिन्ह. एहन मे जखन अहां हुनका संग अपन हाथ नहि बढ़ाएब...कदम नहि बढ़ायब तं फेर आगां अहां लेल के ठाड़ होएत ?

ई सिर्फ हुनकर अभियान नहि छनि. हमर-अहां सभ के अभियान अछि. एहि मे अहां धर्म के संग छी...सत्य के संग छी...अहां के विजय निश्चित अछि. अहां के जीतय सं कोई रोकि नहि सकैत अछि. बस तनिक जोर लगाबय के जरूरत अछि. अण्णा के आवाज के संग अपन आवाज मिलाबय के जरूरत अछि. हुनका संग किछ देर के लेल अनशन पर बैसय के अछि.

ई एहि लेल सेहो जरूरी अछि जे जेहि भ्रष्टाचार...घोटाला... महंगाई...रिश्वतखोरी सं अपना सभ दू-चारि भ रहल छी... ओहि सं अपन नवका पीढ़ी के पाला नहि पड़य. एहि जंग के देश के लेल... अपना लेल... अपन काल्हि के लेल हर हाल मे जीतय पड़त. एकर कोनो विकल्प नहि. एकरा लेल अहां के संकल्प लsक आगां बढ़य पड़त आओर संकल्प मे कोनो विकल्प नहि होएत अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु