नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार विधान परिषद शताब्दी समारोह

मंगल दिन 22 तारीख के बिहार बनला के जेना 99 साल भेल ओहिना बिहार विधान परिषद के एक सय साल पूरा भेल. एहि अवसर पर राष्ट्रपति प्रतिभा देवी सिंह पाटिल बिहार विधान परिषद शताब्दी समारोह केर विधिवत उद्घाटन करलखिन्ह.

राष्ट्रपति जी दीप जला कs विधान परिषद परिसर मे एहि शताब्दी समारोह के उद्घाटन करलखिन्ह. एहि अवसर पर राज्यपाल देवानंद कुंवर...मुख्यमंत्री नीतीश कुमार
आओर विधान परिषद के अध्यक्ष ताराकांत झा सेहो मौजूद छलखिन्ह.

राष्ट्रपति जीके एहि असवर पर एकटा स्मृति चिन्ह सेहो भेंट कएल गेलन्हि. ई एक सय साल मे दोसर बेर छल जे कोनो राष्ट्रपति विधान मंडल के कार्यक्रम मे मौजूद छलखिन्ह.

एहि असवर पर राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल जीक कहनाय छलन्हि जे लोकके जाति...धर्म आओर संप्रदाय केर संकीर्णता सं ऊपर उठिSक देशहित मे काज करबाक चाही.

बिहारक इतिहास के सभ्यता आओर संस्कृतिक इतिहास बताबैत राष्ट्रपति जी कहलखिन्ह जे दुनिया के लोकतंत्र के तोहफा देबय वाला बिहार अछि. ई चिंतक आओर ज्ञानी लोकक धरती अछि.

ई भगवान महावीर...भगवान बुद्ध...सिख सभ के 10वां गुरू गोविंद सिंह जी आओर सूफी हजरत मनेरी के धरती रहल अछि. ई सम्राट अशोक...चंद्रगुप्त के धरती अछि. नालंदा... विक्रमशिला के धरती अछि.

मंगल दिन शुरू भेल ई समारोह साल भर चलत. एहि क्रम मे हर दू मास पर एकटा विशिष्ट व्यक्ति के व्याख्यान होएत. एहि व्याख्यानमाला मे मई के पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम जीक व्याख्यान होएत.

देश मे जेहि-जेहि राज्य मे विधान परिषद अछि ओहि सभ राज्य केर सभापति के सेहो एहि समारोह के लेल बुलाएल गेल छनि. समारोह केर समापन 22 मार्च 2012 के उपराष्ट्रपति हमीद अंसारी आओर लोकसभा अध्यक्ष मीरा कुमार जीक मौजूदगी सं होएत.

बिहार दिवस के संग एहि कार्यक्रम के होए के कारण खुशी कई गुणा बढ़ि गेल अछि. विधान परिषद परिसर के सेहो नीक सं सजाएक गेल अछि.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु