नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गुलरिया गाम के गोद लेताह गेट्स

दुनिया के दोसर सभसं अमीर आदमी बिल गेट्स बिहार के गुलरिया गाम के गोद लेताह. गुलरिया गाम खगड़िया जिला मे अछि आओर पिछला साल मई मे जखन बिल गेट्स पहिल बेर बिहार आएल छलखिन्ह तं गुलरिया गेल छलखिन्ह.

बिल गेट्स गुलरिया के गोद लs एहि ठाम कई तरहक कार्यक्रम चलएथिन्ह. एहिठाम हुनकर हेल्थ प्रोजेक्ट तं चलिते अछि... गोद लेलाह के बाद हुनकर बिल एंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन एहि गाम मे
जॉब ऑरिएंटेंड प्रोजेक्ट सेहो चलाएत.

फांउंडेशन के कोशिश एहिठामक लोक के आत्मनिर्भर बनाबए के रहत. एहन ट्रेनिंग देल जाएत जेहि सं ओ अपन खुद के रोजगार ठाड़ क सकथिन्ह. खुद कमा-खा पएथिन्ह. एहि के लेल आर्थिक मदद सेहो देल जाएत.

बिल गेट्स 23 तारीख के बिहार दौरा पर छलाह. ओ एहि दौरान दानापुर के जमसौत गाम सेहो गेलखिन्ह जतय ओ स्थानीय लोक सभ...आओर स्वास्थ्य अधिकारी सभ सं मिललखिन्ह.

जमसौत मे ओ महादलित टोला मे गेलखिन्ह...एहिठाम ओ लोक सभ सं रोज-रोज होए वाला परेशानी... खनाए-पीनाए के बारे मे पूछलखिन्ह. बच्चा घर मे पैदा होएत अछि कि हॉस्पिटल मे... सरकार तरफ सं मदद मिलैत अछि कि नहि ? जेहन कइटा सवाल पूछलखिन्ह.
Bill Gates in Bihar
 माइक्रोसॉफ्ट के संस्थापक सबजपुरा गाम सेहो गेलखिन्ह. एहिठाम फांउडेशन के मदद सं कृषि सं जुड़ल काज भ रहल अछि. बिल गेट्स के संग हुनकर पत्नी मेलिंडा गेट्स सेहो छलीह.

फाउंडेशन बिहार मे टीकाकरण...स्वच्छता... स्वास्थ्य...परिवार नियोजन आओर शिशु स्वास्थ्य के क्षेत्र मे काज करि रहल अछि. पोलियो... एड्स...टीबी... खसरा... कालाजार के खत्म करय के दिशा मे सेहो काज भ रहल अछि.

सांझ मे बिल गेट्स आओर मेलिंडा गेट्स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं कई चीज पर चर्चा करलखिन्ह आओर एक दोसरा के सहयोग देबय के भरोस देलखिन्ह.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु