नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे बिल गेट्स

दुनिया के दोसर सभसं बेसी पाय वाला बिल गेट्स 23 मार्च के बिहार दौरा पर छथिन्ह. ओ बुध दिन भोर मे पटना एयरपोर्ट पर उतरला के बाद दानापुर के जमसौत गाम गेलखिन्ह. एहिठाम ओ लोक सभ सं मिललखिन्ह.

माइक्रोसॉफ्ट कंपनी के संस्थापक बिल गेट्स अपन पत्नी मेलिंडा गेट्स के संग तीन दिन के लेल भारत दौरा पर आएल छथिन्ह. दूनु गोटे 22 तारीख के भारत अएलखिन्ह आओर अगिला
दिन भोरे -भोर बिहार.

दूनु गोटे जतेक कमाए छथिन्ह ओतेक परोपकार के काज सेहो करय छथिन्ह. हर साल तय मात्रा मे धन लोक कल्याण पर खर्च करय छथिन्ह. ई धर्मार्थ काज बिल एंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन के मार्फत सं होएत अछि.

बिल एंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन स्वास्थ्य आओर शिक्षा के क्षेत्र मे जोर-शोर सं काज करि रहल अछि आओर बिहार मे सेहो जारी राखय चाहय छथिन्ह. एहि सभ पर ओ आई सांझ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं बातचीत करथिन्ह.

हिनकर बिल एंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन बिहार मे नीक काज करि रहल अछि. पोलियो... एड्स... टीबी... कालाजार आओर कुपोषण के क्षेत्र मे बिहार मे काज भ रहल अछि. हिनकर फाउंडेशन दुनिया सं एहि बीमारी सभ के उन्मूलन पर लागल अछि.

फाउंडेशन आब हेल्थ के संग -संग शिक्षा... कृषि... आईटी के क्षेत्र मे सेहो बिहार के संग काज करय चाहैत अछि. बिल एंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन पिछला साल बिहार के 8 करोड़ रुपया देने छल.

बिल गेट्स एहि सं पहिने सेहो बिहार आबि चुकल छथिन्ह आओर पिछला साल ओ 12 मई के खगड़िया के गुलेरिया मुसहरी आओर बांका के तेतरिया मे हेल्थ सं जुड़ल प्रोजेक्ट पर लोक सं बात करने छलखिन्ह.

बिहारक पचास फीसदी सं बेसि बच्चा कुपोषण के शिकार अछि. बच्चा के पौष्टिक खाना नहि मिलैत अछि जेहि सं नीक विकास नहि भ पाबैत अछि आओर दस तरहक बीमारी के शिकार भ जाए छथिन्ह.

बिहार के लेल अखनो पोलियो... टीबी... खसरा... एड्स... कालाजार आओर कुपोषण एकटा बड़का संकट अछि. एकरे खत्म करय के लक्ष्य लsक फाउंडेशन
काज करि रहल अछि.

ओना पोलियो के लsक देश भर मे चलय वाला कार्यक्रम के कारण बिहार मे पोलियो एक तरह सं काबू मे अछि. कोनो नवका मामला सामने नहि आ रहल अछि.

बिहार आओर देश के पाय वाला सभ के... अमीर लोक के लोक कल्याण...परोपकार के काज पर बढ़ि-चढ़ि कs हिस्सा लेबाक चाही नहि कि एनजीओ खोलि सिर्फ पाए बनाबय पर ध्यान देबाक चाही.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु