नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार दिवसक कार्यक्रम


बिहार उत्सवक कार्यक्रम गांधी मैदान मे सांझ करीब 4 बजे शुरू होएत. कार्यक्रम के शुरूआत बिहार गौरव गान सं होएत. एहि के बाद मुरारी लाल तिवारी के होली... चक्रवर्ती सिंह के चैता... कुंज बिहारी मिश्र जीक मैथिली... अंजलि भारद्वाज जीक भोजपुरी गीतनादक कार्यक्रम होएत.

एहि दिन पटना के श्री कृष्ण मेमोरियल हाल मे पंडित शिवकुमार शर्मा जीक संतूर वादन आओर अनूप जलोटा जीकक भजन-गजल गायन होएत. जखन कि तारामंडल सभागार
मे संतोष नाहर जीक वायलिन आओर पंडित अजय चक्रवर्ती जीक शास्त्रीय गायन होएत.

शहर के रवीन्द्र भवन मे रानी खानम केर सूफी नृत्य आओर निनाद केर लोक गूंज गूंजत. एकरे संग एलएन मिश्र संस्थान मे 22 मार्च के मुशायरा-कवि सम्मेलन के आयोजन सेहो कएल गेल अछि.

अगिला दिन 23 मार्च बुध के बिहारी गीत... सोहर... बुंदू खां केर राजस्थानी लोकगीत... अजीत अकेला जीक मगही गीतनाद...बच्चा नसीम आओर नसीम रूही ग्रुप के कव्वाली के संग भरत शर्मा आओर आराधना सिंह जीक भोजपुरी कार्यक्रम होएत.

श्री कृष्ण मेमोरियल हाल मे पंडित हरि प्रसाद चौरसिया जीक बांसुरी वादन छनि... भूपेन्द्र-मिताली जीक गजल गायन सेहो होएत. एहि दिन तारामंडल सभागार मे कमला शंकर जीक गिटार वादन आओर अश्विनी भिडे देशपांडे जीक शास्त्रीय गायन सेहो होएत.

बुध दिन रवीन्द्र भवन मे हास्य कवि सम्मेलन राखल गेल अछि आओर पटनाक एलएन मिश्र संस्थान मे श्याम दास मिश्र जीक शास्त्रीय गायन केर आयोजन कएल गेल अछि.

कार्यक्रम के आखिरी दिन 24 मार्च के शारदा सिन्हा जीक मैथिली-भोजपुरी गीतनाद... विष्णु ओझा जीक भोजपुरी गीत... छउ नृत्य आओर छैला बिहारी के अंगिका गीतनादक कार्यक्रम अछि.

24 मार्च के अहां सुधीर पाण्डेय जीक तबला... पंडित बिरजू महाराज जीक कथक आओर सुमेरु जीक भजनक आनंद श्री कृष्ण मेमोरियल हाल मे लs सकय छी. रवीन्द्र भवन मे पोरस-सिकंदर नाटक... नीतू कुमारी नूतन जीक लोकगीत आओर कुमुद झा दीवान जीक शास्त्रीय गायन केर आनंद उठा सकय छी

आखिरी दिन एलएन मिश्र संस्थान मे अभय नारायण मल्लिक जीक ध्रुपद... कुशल दास जीक सितार आओर छन्नू लाल मिश्र जीक शास्त्रीय गायन सं सेहो सराबोर भ सकय छी.

बिहार उत्सव पर तीनु दिन कालीदास रंगालय मे बिहार बाल भवन किलकारीक कलाकार के तरफ सं राष्ट्रीय बाल नाट्य महोत्सव केर आयोजन सेहो कएल गेल अछि.

एकरे संग पटनासिटी सं दानापुर तक 18 टा सांस्कृतिक ग्रुप के तरफ सं छह ठाम नुक्कड़ नाटक सेहो कएल जाएत. तं आनंद उठाउ बिहार उत्सव के आओर बिहारी गौरव सं अपन माथ ऊंच करु.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु