नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे विकासक हेल्थ कार्ड

बिहार के लेल एकटा नीक खबर अछि. बिहार कई क्षेत्र मे देश के लेल मिसाल बनल जा रहल अछि. जे खबर आबि रहल अछि ओ देश के लेल एकटा क्रांतिकारी कदम साबित भ सकैत अछि. सरकार के एहि कदम के अहां एकटा बड़ पैघ फैसला कहि सकैत छी.

खबर अछि जे बिहार मे ‘नई पीढ़ी स्वास्थ्य गारंटी योजना’ शुरू होबय जा रहल अछि. एहि योजना के मुताबिक राज्य के 14 साल सं कम उम्र के सभ बच्चा के हेल्थ कार्ड बनाएल
जाएत…आओर सभ बच्चा के इलाज के खर्च सरकार उठाएत.

अखन तक मिलल जानकारी के मुताबिक इलाज के खर्च के कोनो सीमा नहि रहत. आब 14 साल तक के बच्चा के इलाज पर जतेक खर्च होए… जहां इलाज कराबय पड़य… सरकार कराएत.

एकटा अनुमान के मुताबिक बिहार मे करीब साढ़े तीन करोड़ बच्चा एहन अछि जकर उम्र 14 साल आओर एहि सं कम अछि. सरकार के माननाय अछि जे एहि स्कीम पर करीब सवा सय करोड़ रूपया खर्च आबि सकैत अछि.

बच्चा सभ के जे हेल्थ कार्ड बनाएल जाएत ओहि मे हुनका बारे मे सभ जानकारी रहत. जन्म… ब्लड ग्रुप… वजन… उंचाई… पहचान के निशान… कोनो बीमारी अछि त ओकर जानकारी…सभ किछ.

एहि के लेल गाम-गाम…स्कूल-स्कूल मे स्पेशल कैंप लगा बच्चा के हेल्थ चेक-अप सेहो कएल जाएत. इलाज के लेल जाए पर एहि हेल्थ कार्ड के जरूरत पड़त. इलाज. दवाई सभ मुफ्त.

उम्मीद अछि जे ई योजना बिहार दिवस समारोह के समय 22 मार्च के शुरू कएल जाएत. बिहार दिवस पर राज्य भर मे समारोह मनाएल जाएत. राइट टू सर्विस के बाद नीतीश सरकार के ई एकटा बड़का कदम अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु