नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सिविल सेवा परीक्षा के फॉर्म भरनाय शुरू

संघ लोक सेवा आयोग...यूपीएससी के सिविल सेवा परीक्षा 2011 के फॉर्म भरनाय शुरू भ गेल अछि. फॉर्म 21 मार्च धरि भरल जा सकैत अछि. एकर पूरा सूचना अहां 19 तारीख के रोजगार समाचार मे देख सकय छी.

एहि बेर परीक्षार्थी ऑनलाइन फॉर्म सेहो भरि सकय छथिन्ह. फॉर्म खरीद क...भरि क भेजय के फीस एक सय टका अछि जखन कि ऑनलाइन फॉर्म भरला पर फीस
50 टका राखल गेल अछि.

ऑनलाइन फॉर्म अहां http://www.upsconline.nic.in पर जाsक भरि सकय छी. एहि ठाम अहां के सभ जानकारी सेहो मिल जाएत. महिला...एससी/ एसटी... शारीरिक रूप सं विकलांग छात्र के फीस जमा करय के जरूरत नहि छनि.

यूपीएससी के मेन वेससाइट अछि  http://www.upsc.gov.in  सभ जानकारी अहां के एहिठाम सेहो मिल जाएत.

ऑनलाइन अप्लाई करय वाला छात्र के फॉर्म भरला के बाद स्टेट बैंक ऑफ इंडिया...SBI के कोनो ब्रांच मे 50 रुपया फीस जमा करि ओतय सं एकटा ट्रांजेक्शन नंबर लेबय पड़तन्हि जकरा फॉर्म मे भरय पड़तन्हि.

एकर फॉर्म अहां के देश के प्रमुख डाक घर...Post Office मे सेहो मिलत ओतय सं खरीद क सेहो भरि सकय छी. फॉर्म भेजय के पता अछि-
Controller Of Examination,
Union Public Service Commission,
Dholpur House,
Shahjahan Road,
New Delhi-110069

अहां एकर फॉर्म खुद जाsक हाथों-हाथ सेहो जमा करि सकय छी. मुदा हाथों-हाथ सिर्फ एकटा फॉर्म जमा होएत. दोसर दोस्त आ संगी के फॉर्म अहां नहि जमा करि सकय छी. एकर ध्यान राखब.

फॉर्म भरय सं लsक जमा करय तक... आ फेर परीक्षा के बारे मे किछ जानय के होए त अहां 011-23389366 पर फोन करि सेहो जानकारी पाबि सकय छी. आओर UPSC के गेट नंबर C के पास Facilitation Counter पर सेहो पूछताछ करि सकय छी. एतय के फोन नंबर अछि... 011-23385271 आओर 011- 23381125

ध्यान देबय के बात इहो अछि जे परीक्षा मे Objective Type Quistion के लेल Negative Marking अछि. आओर हां फॉर्म सावधानी सं भरय के कोशिश करब. दिक्कत होए त फॉर्म के फोटोस्टेट करि पहिने फोटोस्टेट पर फॉर्म भरि लेब जेहि सं असल फॉर्म भरय मे दिक्कत नहि आबय. अहां सभ के हमर शुभकामना
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु