नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कतेक दिन चलत दरभंगाक बस सेवा?

बिहार मे नीतीश कुमार के अएला के बाद माहौल त किछ सुधरल अछि. मुदा अखनो ई हाल नहि कहल जा सकैत अछि जे लोक अपना के पूरा सुरक्षित मानय छथिन्ह. अखनो काफी सुधार के जरूरत अछि. ई जरूर अछि जे कानून-व्यवस्था मे किछ सुधार आएल अछि.

लोक मे एहि विश्वास के जगाबय लेल दरभंगा प्रशासन के तरफ सं एकटा कदम उठाएल गेल अछि. दरभंगा मे एहि बीच राति मे लूटपाट... छीनछान के कइटा घटना भ गेल.
एहन घटना दरभंगा स्टेशन पर ट्रेन सं उतरि कs घर जाए वाला लोक के संग बेसि भेल अछि.

अखन दरभंगा स्टेशन पर कइटा ट्रेन राति मे आबैत अछि. कइटा ट्रेन लेट सेहो रहैत अछि जेहि के कारण लोक के नहि चाहितो स्टेशन सं राति मे घर जाए पड़य छनि. स्टेशन सं लोक रिक्शा...ऑटो सं बस स्टैंड आ अपन घर जाए छथिन्ह.

मुदा बीच मे लूटपाट के घटना मे तेजी अएला सं लोक के बीच डर समा गेल छनि. स्टेशन पर रहय...ठहरय के नीक व्यवस्था नहि अछि. सभ प्लेटफार्म पर रोशनी के इंतजाम सेहो नीक नहि अछि. कखनो इजोत कखनो अन्हार. जनरेटर सेहो जेना हुकहुकाइत होए.

दरभंगा स्टेशन पर सुविधा के बड़ कमी अछि. टिकट कटाबय सं आबय-जाए तक. कई बेर त एहन होएत अछि जे दरभंगा-लहेरियासराय के स्थानीय लोक सेहो केहुना स्टेशन पर राति काटि लय छथिन्ह आओर साफ भेलाह पर भोर मे घर जाए छथिन्ह.

ई प्रशासन के लेल सुरक्षा व्यवस्था के नाम पर एकटा बड़का चुनौती अछि. एहि सभ के देखैत दरभंगा मे लोक के राति मे सकुशल घर पहुंचाबय लेल बस सेवा शुरू कएल गेल अछि. ई बस स्टेशन सं राति के 11 बजे सं लsक भोर के चारि बजे तक चलत.

एहि बस के सभ सं पैघ बात ई अछि जे एहि मे पुलिस सेहो रहत. आओर अखन त एहन इंतजाम कएल गेल अछि जे लोक के एहि मे भाड़ा नहि देबय पड़तन्हि. मुदा मुफ्त के चीज बेसि दिन नहि चलैत अछि. ई पुलिस प्रशासन के सोचय पड़तन्हि.

लोक के किछ पाई लगय...किछ भाड़ा लगय ओहि सं इनकार नहि छनि. बस सकुशल घर पहुंचबाक चाही आओर ई सर्विस जारी रहबाक चाही. फेर बस मे पेट्रोल...डीजल लगैत अछि. दू-चारि दिन बाद अहां कहबै जे गाड़ी मे तेल नहि अछि एहि लेल नहि चलत.

ई सर्विस जारी रहय. लोक के एकर सुविधा मिलैत रहय एकरा लेल किराया-भाड़ा लेनाय सेहो जरूरी अछि. राति मे लोक जतय एक्स्ट्रा पाई द ऑटो-रिक्शा सं जाए छथिन्ह ओहन मे एहि मे दू-चारि टका बेसिओ लेल जएतन्हि त लोक के नहि अखरतन्हि.

बस दरभंगा स्टेशन सं खुलि विद्यापति चौक होएत कादिराबाद बस स्टैंड पहुंचत. ओतय सं हसम चौक ...नाका 5...नाका 6...लोहिआ चौक होएत लहेरियासराय टावर चौक ... बेंता चौक होएत फेर सं दरभंगा स्टेशन पहुंचि जाएत. एहिना चक्कर लगैत रहत.

दरभंगा के लोक के लेल ई नीक खबर अछि. आब आराम सं रातिsओ मे स्टेशन पर उतरि घर पहुंचि सकय छी. दोसर ठाम के लोक सेहो बस स्टैंड पहुंचि बस सं घर जा सकय छथिन्ह. मुदा सभ सं पैघ सवाल अछि जे कतेक दिन चलत ई सेवा?

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु