नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

जयनगर सं तीनटा नवका ट्रेन शुरू करय के कोशिश

बिहार-नेपाल सीमा सं लागल जयनगर सं तीनटा नवका ट्रेन शुरू करय के प्रयास चलि रहल अछि. पूर्व मध्य रेलवे समस्तीपुर के डीआरएम के अनुसार अगर एहि वित्तीय वर्ष यानी मार्च तक जयनगर स्टेशन पर जे काज होए वाला अछि ओ भ गेल तं उम्मीद अछि जे तीनटा नवका ट्रेन शुरू भ जाएत.

जयनगर मे फुट ओवर ब्रिज... वॉशिंग पिट... रनिंग रूम... बिजली.. पानि...शौचालय आओर साफ-सफाई केर किछ काज भ रहल अछि. रेलवे मार्च तक एहि काज के
पूरा करय मे लागल अछि. काज पूरा होएतहिं ट्रेन चलाबय के कोशिश कएल जाएत.

पूर्व मध्य रेलवे के तरफ सं रेल मंत्रालय के एहि बारे मे प्रस्ताव भेजल जा चुकल अछि. जेहि ट्रेनक प्रस्ताव भेजय गेल अछि ओहि मे जयनगर सं कोलकाता के लेल गरीब रथ.... सहरसा के लेल इंटरसिटी एक्सप्रेस आओर समस्तीपुर के लेल एकटा सवारी गाड़ी शामिल अछि.

ई समय आम बजट आओर रेल बजट के तैयारी के अछि. अगर अहां सभ अपन-अपन इलाका लेल नवका ट्रेन चाहय छी... कोनो ट्रेनक फेरा बढ़ाबय चाहय छी... स्टेशन पर सुविधा चाहय छी त अपन एमएलए-एमपी के रेल मंत्री सं मांग करय लेल कहिऔं.

आब एहन जमाना आबि गेल अछि जे सरकार सं बिना मांग कएने किछ खास नहि मिलत. आब अहांके एकटा चीज चाही त पांच टा चीज मांगु. सरकार कम करैत-करैत एकटा त दए देत. मुदा मांग करला पर देत ओना नहि.

त बैसल नहि रहुं... अपन-अपन एमएलए-एमपी के जगबिऔं... हुनका ममका बनर्जी सं मिलय लेल कहिऔं. धरना- प्रदर्शन जे करय के होए करु मुदा बजट सं पहिने. नहि त बाद मे दोष नहि देबय जे मिथिला के किछ नहि मिलल.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

2 टिप्‍पणियां:

  1. Ekdam sahi kahaliye......bad mein dosh dai kai ki fayda...

    jagoo..he janta janardan sab..

    .aa MP...MLA SAB seho...dhyan diyo

    kich karbak mouka ail aichi mouka nahi jai diyo

    Kumar Kali Bhushan
    MUmbai-Keoti

    जवाब देंहटाएं
  2. Anand Jha :
    Hitendra bhai, bahut barhia, lekin kahin galat timing dela so kono fayda nai je haal 15233/15234 kolkata-darbhanga exp ke chhai, rati 9 baje samastipur ar 10 baje darbhanga pahunchai chhai pura train khali. lok ehen timing me kono sawari nei pakari sakai e apna gaam je lel.Eto Ashok Jha demand kene chhathin lekin dekhiyo ki hoi chhai, mithilanchal ke extend koro ke baat chalai till sitamarhi seho nai bhelai.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु