नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

फेसबुक पर चिरकुटई!!!

लोकप्रिय भेलाह के बाद फेसबुक के हाल सेहो ऑर्कुट जकां भेल जा रहल अछि. एहि ठाम सेहो फर्जी प्रोफाइल के भरमार भ गेल अछि. फर्जी प्रोफाइल के जरिए फ्रेंड्सलिस्ट मे शामिल हो अनेरे डिस्टर्ब करय के चलन तेज भ गेल अछि.

ऑर्कुट जकां एहिठाम सेहो कई लोक अपन प्रोफाइल मे नहि त अपन कोनो फोटो लगौने छथिन्ह आ नहि कोनो जानकारी देने छथिन्ह. किछ लोक त अपना फोटो के जगह
सलमान खान... शाहरुख खान... आमिर खान त जनक बाबू... आओर करीना... प्रियंका सं लsक अनुष्का तक के फोटो लगा देने छथिन्ह.

कई बेर पता नहि चलि पाबैत अछि जे अहां किनका सं दोस्ती कएने छी आओर आओर ओ के छथिन्ह? ओ कोनो अपराधी अछि या फेर कोनो अवांछित तत्व? किछ लोक त अपना बारे मे किछ नहि बतएताह आओर कहताह पहचानलौं? चिन्हलौं हमरा?

अजीब हाल अछि. अपना बारे मे बतएबो नहि करबन्हि आओर लोक सं इहो चाहबै जे ओ अहां के पहतानताह. ई केना होएत? एकटा आदमी तं अपन कोनो जानकारी नहि देबय के बारे मे कहलाह जे ओ सलमान के भक्त छथिन्ह आओर सलमान के सिवा किछ नहि सोचय छथिन्ह.

किछ लोक के बर्ताव सं परेशान भ आई हम अपन प्रोफाइल पर कहि देलौं जे जिनकर प्रोफाइल मे अपना बारे मे जानकारी नहि होएतन्हि... अपन फोटो नहि होएतन्हि हुनका हम अपन फ्रेंड्सलिस्ट सं डिलिट करि रहल छी.

एहि के बाद फेसबुक पर काफी लोक के कमेंट अएलन्हि. कुमुद सिंह जीक कहनाय छनि जे ओ सेहो एहने सोचि रहल छथीह. आलोक कुमार जी सेहो एहि पर हामी भरलखिन्ह. मीडिया खबर के पुष्कर पुष्प जीक कहनाय छलन्हि जे फेसबुक पर हमरा दोस्त के जरूरत अछि शाहरुख...सलमान के नहिं.

फेसबुक पर काफी एक्टिव रहय वाला वरिष्ठ पत्रकार आलोक पुंज जीक कहनाय छलन्हि जे एहन लोक के प्रोफाइल सं हटैनाय बड़ जरूरी अछि. जे लोक अपन फोटो तक लगाबय सं हिचकय छथिन्ह हुनकर प्रोफाइल डिटेल्स कतेक सही होएत इहो सोचय के सवाल अछि.

पीटीआई के वरिष्ठ पत्रकार नीरज भूषण जीक कहनाय छनि जे एहन लोक के चेहरा सं नकाब हटानाय जरूरी अछि. नीरज जी जकां विचार मुम्बई मे रहय वाला केवटी, दरभंगा निवासी कुमार कालीभूषण जीक सेहो छनि.

कालीभूषण जीक कहनाय छनि जे जखन सामने वाला के पूरा जानकारी नहि तखन सोशल नेटवर्किंग साइट पर हुनकर कोन काज. जेहि आदमी के अपन चेहरा सं बेसि नीक दोसर के चेहरा लागय छनि. हुनका सं दोस्ती करिsक कि करब?

अरुण शर्मा जी कहय छथिन्ह जे अहांक एहि कदम के बाद हम सेहो एहिना करय के सोचि रहल छी. एहि सं हमरा बड़ बल मिलल अछि. मुम्बई सं विभा रानी जीक कहनाय छनि जे बिल्कुल हटा दिअ. जिनका अपनहि चेहरा आओर अपनहिं सं परहेज छनि हुनका सं सम्पर्क बना क रखनाय अपना के कम करिsक देखनाय अछि.

मुदा एकटा कमेंट आएल सागर जीक तरफ सं. ओ हमर फ्रेंड्सलिस्ट मे शामिल नहि छथिन्ह आओर हुनकर प्रोफाइल मे जानकारी वाला सेहो कोनो मुद्दा छनि. मुदा ओ कहय छथिन्ह जे नीके भेल जे हम लिस्ट मे शामिल नहि भेलौं... नहि तं डिलीट भ जएतौं.

आब देखिऔ मैसेज मे साफ लिखल अछि जे... ई मैसेज अपन फोटो नहि लगाबय वाला आओर अपन जानकारी नहि देबय वाला के लेल अछि तखनो ओ एहन कमेंट करय छथिन्ह. जखन ई बात कहलिएन्हि त कहलाह मजाक करय छलौं.

त एहने लोक सभ सं तंग आबि एहन करय के सौचलौं. आब फेसबुक पर सेहो चिरकुटय होबय लागल अछि. नीक अछि जे दू-चारि टा कमे दोस्त रहय...टेंशन त नहि रहल अनेरे कमेंट झेलय के. अहांक कि विचार अछि एहि सभ पर?
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

2 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु