नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

तिब्बत के नाम पर चाइना खेल!

तिब्बती धर्मगुरु करमापा लामा यानी उग्येन त्रिनले दोरजी के बौद्ध मठ सं करोड़ों रुपया के विदेशी मुद्रा मिलला के बाद ई मामला गरमा गेल अछि जे ओ चीनी एजेंट छथिन्ह कि नहिं? बरामद भेल रकम के स्रोत के बारे मे कहल जा रहल अछि जे ई रकम चीन सं आएल अछि. ओना चीन कहलक अछि जे करमापा चीन के एजेंट नहि छथिन्ह. एहि मामला मे भारत सरकार के कइटा एजेंसी जांच मे जुटि गेल अछि.

ओना करमापा लामा करीब 12 साल पहिने 1999 मे अजीब तरीका सं चीन सं भागि क हिमाचल प्रदेश के धर्मशाला आबि गेल छलखिन्ह. तखने सं हुनकर संदिग्ध गतिविधि
के देख क कहल जा रहल छल जे होए न होए हिनका भारत आबय मे चीन के हाथ अछि. ई सेहो जांचक विषय अछि. भ सकैत होए ई सिर्फ संदेह होए.

चूंकि धर्मशाला मे रहल वाला तिब्बती सभ चीन के खिलाफ आजादी के अभियान चलौने छथिन्ह... एहन मे चीन चाहैत अछि जे दलाई लामा के बाद हुनकर गद्दी पर कोनो एहन आदमी बैसय जे ओकर अपन होए. जेहि सं एहि आंदोलन पर पकड़ बनाएल जा सकय आओर इहो कहल जा रहल अछि जे दलाई लामा के बाद हिनके बैसय के संभावना छनि तेहि लेल चीन के एजेंट होए पर लोक के बेसि शक होए छनि.

करमापा सं मिलल धन के बाद इहो मामला जोर सं उठय लागल अछि जे कतहुं तिब्बती शरणार्थी के भेष मे चीन अपन लोक सभ के भेज भारत मे अपन आबादी त नहि बसा आओर बढ़ा रहल अछि. हिमाचल प्रदेश आओर पूर्वोत्तर भारत मे तिब्बती जनसंख्या काफी बढ़ि गेल अछि. एतबे नहि कई ठाम जमीन खरीदय के खबर सेहो मिल रहल अछि.

ई खबर सच सेहो भ सकैत अछि किएक त करमापा वाला मिलल रकम जमीन खरीदय लेल बैंक सं निकालल गेल से बताएल जा रहल अछि. एहि के बाद जांच मे आओर रकम बरामद भेल. जांच एजेंसी के जल्दी सं देखय पड़त जे एहि रकम के इस्तेमाल कतहुं देश के खिलाफ त नहि होए वाला छल. कहि ई तिब्बत के नाम पर चीन के खेल त नहि अछि?

चीन जेहि हिसाब सं तिब्बत मे अपन प्रभाव कायम करय लेल चीनी लोक सभ के बसा रहल अछि. ओहिना ओ अरुणाचल प्रदेश... हिमाचल प्रदेश आओर सिक्किम मे करि सकैत अछि. ओ एहि इलाका मे सेहो चीनी लोक सभ के भेज...एहि ठाम बसा... एहि ठामक रंग मे रंगि रहल होए त एहि मे कोनो अचरज नहि.

अखन बसताह आओर बाद मे इहे लोक सभ कहथिन्ह जे इ इलाका त चीन के अछि आओर हम चीनी छी. तखन भारत सरकार के लेल अजीब स्थिति... हालात बनि सकैत अछि. तिब्बती शरणार्थी के आड़ मे चीन अपन खेल त नहि खेल रहल अछि एहि पर देश के ध्यान देबाक चाही. मुदा सरकार के भ्रष्टाचार... घोटाला... महंगाई... किछ खास समुदाय के खुश करय सं फुर्सत मिलय तखन नहि.

देश के किछ इलाका मे तिब्बती सभ अपन-अपन मठ बना रहल अछि. बौद्ध धर्म के नाम पर तिब्बती सभ जेहि तरह सं जमीन खरीद रहल अछि. संस्था... संस्थान आओर मठ बना रहल अछि ओ संदेहक घेरा मे अछि. एहि सभ ठाम आन लोक नहि के बराबर जाए छथिन्ह आओर एहि सभ ठाम जाए वाला लोक पर हुनकर सभक खास नजर रहय छनि.

भारत मे ओतय सं आबय वाला लोक चाइना टाउन बना रहल अछि. जेहि हिसाब सं विदेश सं धन आबि रहल अछि ओहि के बल पर ओ नीक-नीक जमीन पर कब्जा करि रहल छथिन्ह. जमीन बेचय वाला सभ... भूमाफिया सभ सेहो पाई के लालच मे सही-गलत तरीका सं हिनका सभ के जमीन बेचबा द रहल छथिन्ह. कई इलाका मे एहन भ जा रहल अछि जे शरणार्थी के आबादी बेसि भ गेल अछि आओर लोकल...स्थानीय लोक कम.

स्थानीय लोक पाई...धन मिलला के बाद शहर के तरफ जा रहल छथिन्ह आओर लोकल स्तर पर विदेशी सभ जमीन खरीद अपना के भारतीय साबित करय पर लागल छथिन्ह. आओर इहे लोक सभ समय परला पर देश के खिलाफ जा सकैत अछि. एहन सिर्फ हिमाचल आओर पूर्वोत्तर भारतहिं मे नहि भ रहल अछि. दोसरो हिस्सा मे भ रहल अछि.

एहन हाल नेपाल सं लागल सीमा...बांग्लादेश सं लागल सीमा के संग सेहो अछि. काफी संख्या मे बांग्लादेशी आबादी राशन कार्ड बना... वोटर लिस्ट मे अपन नाम लिखा... जनगणना मे अपना के शामिल करा... जमीन खरीद... मकान बना अपना के भारतीय शामिल करय पर लागल छथिन्ह. आओर पांच- दस- पचास रुपया तक मे काज वाला कर्मचारी...बाबू हिनकर मददगार बनि जाए छथिन्ह.

चीन के संग देश के सीमा विवाद अखन धरि नहि सुलझल अछि. ओ कई इलाका पर अपन अधिकार जताबैत अछि. देश के लोक के नत्थी वीजा जारी करैत अछि. एतेक भेलाह के बादहुं देश के नेता... मंत्री आओर अधिकारी सभ एकरा जतेक गंभीरता सं लेबाक चाही नहि ल रहल छथिन्ह. ई एकदम सं खतरनाक स्थिति अछि.

एहन हाल अछि जे सभ पड़ोसी देश के संग सीमा वाला मामला बनल अछि. ढुलमुल रवैया के कारण पाकिस्तान... चीन... बांग्लादेश... आओर नेपाल सभ के संग किछ नहि किछ विवाद चलिते रहैत अछि. नेपाल सं लागल सीमा वाला इलाका सेहो काफी संवेदनशील बनल जा रहल अछि. सरकार अखन नहि जागल त फेर बड़ देर भ सकैत अछि.

अहां सभ सेहो सुतल नहि रहुं. सरकार के एहि बारे मे आगाह करैत रहिऔं. अपन-अपन इलाका मे एहन किछ भ रहल अछि त बताबैत रहिऔ. आखिर देश के लेल त देश के नागरिके नहि आंखि आओर कान होए छथिन्ह. अहां सभ नहि कहबन्हि... बतएबन्हि त फेर के कहथिन्ह. उठु.. जागु.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

*
99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day
*

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु