नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

महासुन्दरी देवी जीके पद्मश्री सम्मान

मिथिला... मिथिला पेंटिंग आओर बिहार के लेल बड़ नीक खबर अछि. मिथिला पेंटिंग के लेल श्रीमती महासुन्दरी देवी जीके पद्मश्री ... Padmashri Award  सम्मान देल जएतन्हि. ई सम्मान राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल जी देतीह. मिथिला के लेल ई बड़ पैघ सम्मान अछि.

श्रीमती महासुन्दरी देवी जी मधुबनी जिलाक रांटी गाम के छथीह. हिनकर पति स्वर्गीय रामजीवन लाभ जी छलखिन्ह. महासुन्दरी देवी जीक
उम्र 85 साल सं बेसि छनि. हिनकर मां-बाबूजी बच्चे मे गुजरि गेल छलखिन्ह.

महासुन्दरी जी छह साल सं कमहिं के उम्र मे मधुबनी... मिथिला पेंटिंग करनाय शुरू करि देने छलीह. ओहि टाइम गाम-घर मे सभ लोक पेंटिंग करय छलखिन्ह. एकटा परम्परा टाइप के छल. गाम-घर मे महिला...लड़की सभ एहि परम्परा के आगां बढ़ाबय छलीह.
Smt Mahasundari Devi
पचास साल पहिनके बात अछि हिनका गाम मे मुम्बई सं एकटा आदमी आएल छलखिन्ह... ओ हिनका पेंटिंग करैत देखलखिन्ह त हिनका किछ कलर आओर पेंट देलखिन्ह. किछ दिन बाद जखन ओ फेर गाम मे अएलखिन्ह त ओ हिनकर बनाएल चारिटा पेंटिंग के देखि दंग रहि गेलखिन्ह.

ओहि पेंटिंग के देखि ओ अतेक खुश भ गेलखिन्ह जे... ओ ओहि जमाना मे एक-एक मिथिला पेंटिंग के दस-दस डॉलर देलखिन्ह. महासुन्दरी जी मना करैत रहलीह पाई लेबय सं ...मुदा ओ कहलखिन्ह जे ई अहांक मेहनत केर कमाई अछि. ओहि टाइम मे चालीस डॉलर हिनकर पहिल कमाई छलन्हि.

एहि के बाद महासुन्दरी जी अपन गाम के लड़की आओर महिला सभ के एकजुट क मिथिला पेंटिंग लेल काज करय लगलीह. जेहि के बाद 1979 मे मिथिला आर्ट के लेल एकटा सोसायटी सेहो बनएलीह.

महासुन्दरी जी 1970 मे साड़ी पर...1973 मे लकड़ी पर...1980 मे सनमाइका आओर दोसर चीज पर मिथिला पेंटिंग करलीह.

एहि के बाद  Mithila Paintings... Madhubani Paintings के बढ़ावा देबय के लेल हिनका कइटा सम्मान मिललन्हि. जेहि मे बिहार स्टेट अवार्ड... बिहार राज्य मास्टर क्राफ्ट अवार्ड आओर राष्ट्रीय मिथिला चित्रकला नागार्जुन अवार्ड शामिल अछि.
Aripan, Mahasundari Devi
हिनका 2007 मे Shilp Guru Master Craftspersons सम्मान सेहो मिलल छनि. मध्यप्रदेश सरकार सेहो कला के क्षेत्र मे हिनकर योगदान के देखैत हिनका 1995-96 मे तुलसी सम्मान सं सम्मानित कएने छल.

हिनका Padmashri Samman मिलला सं देश-विदेश मे मिथिलाक पेंटिंग के आओर सम्मान मिलत. लोक एकरा जानय के कोशिश करथिन्ह. देश-विदेश मे एकर लोकप्रियता बढ़त. कलाकार के सम्मान के दृष्टि सं देखल जाएत.

एतबे नहि एहि क्षेत्र मे काज करय वाला कलाकार सभ सेहो अपना के सौभाग्यशाली समझताह. ओ आओर उत्साह के संग एहि मिथिला पेंटिंग के प्रचार...प्रसार मे जुटताह. नीक- नीक काज करताह. महासुन्दरी जीके हेलो मिथिला क तरफ सं शुभकामना.
The Union Minister Dayanidhi Maran presenting the Shilp Guru Award 2007 to Smt. Maha Sundari Devi from Bihar for Madhubani Painting, at the presentation ceremony of the National Awards 2007-2008 for Master Crafts persons & Weavers and Shilp Guru Awards 2007 &2008 for Master Crafts persons, in New Delhi on November 24, 2010.
बिहार के एकटा आओर पद्मश्री मिलल अछि. श्री पी के सेन जीके सिविल सेवा के लेल पद्मश्री सम्मान मिललन्हि. जखन कि झारखंड के श्री मकरध्वज दरोगा जी छउ नृत्य के लेल पद्मश्री सम्मान मिलतन्हि.
आओर फोटो देखय लेल क्लिक करु

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु