नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कि कीर्ति आजाद अहांक उम्मीद पर खरा छैथि?

दरभंगा के सांसद छथिन्ह कीर्ति आजाद जी. राजनीति हिनका विरासत मे मिलल छनि. हिनकर पिताजी भगवतझा आजाद बिहारक मुख्यमंत्री रहि चुकल छथिन्ह. कीर्ति जी भारतीय क्रिकेट टीम के लेल खेल सेहो चुकल छथिन्ह. कीर्ति जी टेस्ट आओर वनडे दूनु खेलने छथिन्ह. देशके प्रमुख चैनल पर खेलक समीक्षा सेहो करैत रहय छथिन्ह.

हिनकर जन्म पूर्णिया मे भेल छनि आ ओ दिल्ली सं विधायक सेहो रहि चुकल छथिन्ह. दरभंगा हिनकर सासुर छनि आओर
हिनकर पत्नी पूनम झा आजाद सेहो दिल्ली के गोलमार्केट सं चुनाव लड़ि चुकल छथीह. मुदा दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला दीक्षित के हरा नहि पएलीह.

पिछला दिन दरभंगा... लहेरियासराय मे स्टेडियम निरीक्षण के क्रम मे कीर्ति जी कहलखिन्ह जे ओ एहि साल धोनी... सहवाग जैसन पैघ क्रिकेट खिलाड़ी सभ के दरभंगा लाबय के कोशिश करथिन्ह. एहिठाम स्टेडियम के नवका रूप देल जा रहल अछि.
मुदा सवाल उठि रहल अछि जे कि कीर्ति जी दरभंगाक विकास मे नीक सं योगदान द रहल छथिन्ह? कि ओ आम लोक के कल्याणक काज मे बढ़ि-चढ़ि क हिस्सा ल पाबय छथिन्ह? कि ओ अपन लोकसभा क्षेत्र के सभ इलाका पर बराबर ध्यान द रहल छथिन्ह?

दरभंगा लेल कीर्ति जीक एकटा महत्वाकांक्षी परियोजना छल म्यूजिकल फाउंटेन केर. स्टेशन के पास ई फांउंटेन काफी तामझाम के संग बनल. मुदा लाखों रुपया खर्च भेलाह के बादहुं एकर कोनो उपयोग नहि भ रहल अछि.

कि दरभंगा जैसन गरीब शहर के लेल फाउंटेन सही तोहफा छल? कि गरीब जनताक लाखों रुपया एहि पर खर्च भ गेल जखन कि दोसर कइटा नीक काज भ सकैत छल. कि कीर्ति जी सांसद फंड के इस्तेमाल सही ढंग सं क रहल छथिन्ह?
दरभंगा शहर मे सड़क ठीक-ठाक भ गेल अछि. मुदा एकर श्रेय पूर्व सांसद मो अली अशरफ फातमी जी... दरभंगाक विधायक संजय सरागवी... आओर दोसर नेता सभ सेहो लय छथिन्ह. त फेर कीर्ति जी कि कएलाह?
कीर्ति जी राज्य मे खेल के बढ़ावा दय के बात करय छथिन्ह मुदा लोक सभ हिनका पर बिहार मे क्रिकेट के सत्यानाश करय के आरोप सेहो लगाबय छथिन्ह. कि सत्य अछि? एहि मे अहां सभक राय काफी महत्व रखैत अछि.

दरभंगा के बड़ लोक देश-विदेश मे रहय छथिन्ह. कि ओ अपन दरभंगा के एकटा आदर्श जिला मानय छथिन्ह? कि अहां के लगैत अछि जे दरभंगा मे जे विकास होबाक चाही छल से भेल अछि? विकास के लेल ओ कि -कि परियोजना लएने छथिन्ह?

अहां सभ दिल्ली... पंजाब... हरियाणा... कर्नाटक... आंध्र प्रदेश... महाराष्ट्र गेल होएब. कि ओहिठामक इलाका एहने पिछड़ल अछि? कीर्ति जी पहिल बेर सांसद नहि बनलाह. पहिनहुं सांसद रहि चुकल छथिन्ह. अगर इलाका पिछड़ल अछि त ओकरा लेल ओ पूरा जिम्मेदार नहि छथिन्ह?

कीर्ति जी दिल्ली मे अपना के मिथिलाक प्रतिनिधि मानय छथिन्ह. मुदा कि हुनका एहि बातक चिंता छनि जे बिहारक प्राइमरी स्कूल मे अखनो मैथिलीक पढ़ाई नहि होएत अछि? कि हुनकर कोनो पोस्टर... बैनर... पर्चा मैथिली मे रहय छनि?

कि मैथिली के सिर्फ मान्यता मिल गेलाह सं कर्तव्य पूरा भ जाएत अछि. एकरा विकास के लेल अहां कि करि रहल छी? मैथिलीक अखबार निकलय... मैथिलीक चैनल आबय... मैथिलीक पोथी लोक के उपलब्ध होए ... एकरा लेल अहां कि करि रहल छी?

कि अहांक सांसद एहि सभ पर खरा उतरय छथि? कि अहांक सांसद दरभंगा सं नवका ट्रेन शुरू होए एहि के लेल रेल मंत्री ममता बनर्जी सं भेंट मुलाकात करलाह? बजट आबय वाला अछि कि कीर्ति जी वित्त मंत्री प्रणब मुखर्जी जी सं अपन जिला के परेशानी बतौलखिन्ह?

एहि के अलावा एहां सभ रोज दस तरहक परेशानी के सामना करैत छी... कि सांसद महोदय अहांक परेशानी दूर करय लेल हरदम तत्पर रहय छथि? अगर नहि छथि त आवाज उठाउ... ओकरा दूर करय लेल हिनका झकझौरैत रहिऔ.

नहि त कि फर्क पड़ैत अछि... खो मंगला पड़ल रह !!!

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

  1. E sahi aadmi nai chaith....hum sab janai chi....ki pahil ber je e chunao..jitlah o kene jitlah....
    6 ft. wala hariyana ke gunda ain kai bhari delkhin...
    ummeed bad chal...
    muda e pragati...khas kai darbhanga aa..Madhubani..ke cricket ke kha gelkhin....

    Kumar Kali Bhushan
    Mumbai-Keoti

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु