नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गरमाएल जा रहल अछि रूपम मामला

बिहार मे जेना-जेना शीतलहरी बढ़ि रहल अछि...तापमान कम भ रहल अछि... ओना-ओना केसरी-रूपम मामला गरमा रहल अछि. राज्यक राजनीतिक पारा बढ़ल जा रहल अछि.

पूर्णिया के बीजेपी विधायक राजकिशोर केसरी हत्या मामला मे रूपम पाठक के समर्थक केर संख्या बढ़य जा रहल अछि. राज्यक महिला संगठन सभ एकदम सं रूपम के पक्ष मे आबि गेलीह.


महिला संगठन केर कार्यकर्ता सभ पटना मे प्रदर्शन सेहो कएलीह. महिला सभ एहि मामला के सीबीआई जांच के मांग करि रहल छथीह. एतबे नहि महिला संगठन के एकजुट होए के बाद राजनीतिक दल सभ सेहो अपन झंडा बुलंद करि देलक अछि..

आरजेडी एहि मामला के सीबीआई जांच के लेल सरकार के चिट्ठी सेहो लिखलक अछि. पार्टी के निशाना पर उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी जी छथिन्ह. कानून-व्यवस्था केर नाम पर सरकार के घेरय के ई नीक मौका अछि.

पूर्णिया के पूर्व एमपी पप्पू यादव जीक मां शांति प्रिया राज्यपाल सं सेहो मुलाकात क चुकल छथीह. ओ रूपम पाठक...आओर पत्रकार नवलेश पाठक केर परिवार के सुरक्षा के संग मामला के सीबीआई जांच के मांग सेहो करलीह.

पप्पू जीक पत्नी आओर पूर्व सांसद रंजीता रंजन एहि मामला मे प्रधानमंत्री आओर केंद्रीय गृह मंत्री सं मिलय जा रहल छथीह. ओ एहि बात पर सवाल उठएलीह जे जेहि तरह सं मोदी जी क्लीन चिट द रहल छथिन्ह ओहि सं पुलिस निष्पक्ष जांच नहि करि पाएत.

नारी गुंजन नाम सं एनजीओ चलाबय वाली सामाजिक कार्यकर्ता पद्मश्री सुधा वर्गीज उप-मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सं इस्तीफाक मांग करलीह. हिनकर निशाना पर सेहो मोदी जी छथिन्ह.

जखन कि बिहार वीमेंस नेटवर्क के कहनाय अछि कि जखन धरि मामला दूध के दूध... पानि के पानि नहि होएत संधर्ष चलैत रहत. पटना हाईकोर्ट के वकील सभ कानूनी मदद के लेल तैयार सेहो भ गेलखिन्ह.

सभसं चौकाबय वाला खबर ई आबि रहल अछि जे पूर्णिया सं बीजेपी सांसद उदय सिंह जी सेहो सीबीआई जांच के पक्ष के एकटा चिट्ठी लिखलखिन्ह. आब देखिऔ नीतीश जी कि फैसला लैत छैथि. सभक नजर आब हुनके पर छनि.

सीबीआई जांच के मांग के जोर पकड़ैत देखैत सुशील मोदी जी सेहो आब कहल लागलखिन्ह जे मामला के सीबीआई जांच होबाक चाही. फॉरेंसिक टीम पूर्णिया पहुंचि गेल अछि.

एम्हर पकड़ल गेल पत्रकार नवलेश पाठक केर रिहाई के मांग सेहो जोर पकड़ि रहल अछि. कई ठाम पत्रकार सभक बैठक सेहो भ रहल अछि. लsदsक मामला उलझल जा रहल अछि.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

No comments:

Post a Comment

अहांक विचार/सुझाव...