नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रूपम के समर्थन मे हस्ताक्षर अभियान

पूर्णिया के बीजेपी विधायक राजकिशोर केसरी हत्या मामला मे रूपम पाठक के पक्ष मे हस्ताक्षर अभियान शुरू भ गेल अछि. ई हस्ताक्षर अभियान बिहार वीमेंस नेटवर्क के तरफ सं चलाएल जा रहल अछि.

ओ सभ जोर-शोर सं रूपम के पक्ष मे अभियान चला रहल छथीह. हुनका सभ के कहनाय अछि जे ई प्रतिघात मे उठाएल गेल कदम अछि. रूपम के सामने एहन स्थिति पैदा
करि देल गेल छल जे आओर कोनो चारा नहि बाचल छल.

पूर्णिया सं चारि बेर विधायक रहल केसरी जीक हत्या 4 जनवरी के करि देल गेल छल. हिनका पूर्णिया मे एकटा स्कूल चलाबय वाली रूपम पाठक चाकू सं हत्या करि देने छलीह.

रूपम पाठक केर आरोप छनि जे एमएलए साहेब आओर हुनकर सहयोगी विपिन राय हुनका परेशान करैत छलाह. ओ यौन शोषण केर आरोप सेहो लगौने छलीह. आओर पुलिस मे रिपोर्ट सेहो दर्ज करौने छलीह.

लोक सभके हो-हल्ला के बाद सरकार एहि मामला के जांच सीबीआई सं कराबय के सिफारिश करि देने अछि. एहि मामला मे एकटा पत्रकार नवलेश पाठक के सेहो गिरफ्तार कएल गेल अछि.

नवलेश पाठक सभ सं पहिने अपन अखबार मे केसरी जी पर लागल यौन शोषण के खबर के छापने छलखिन्ह. एकर बाद मामला तूल पकड़ने छल. लोक एकरा सच दबाबय के कोशिश मानि रहल छथिन्ह

एहि मामला के प्रकाश मे लाबय वाला पत्रकार के त पकड़ि लेल गेल मुदा लोक सभ केसरी जीक सहयोगी विपिन राय के नहि गिरफ्तार करय पर सेहो पुलिस पर सवाल ठाड़ करि रहल छथिन्ह.

विधायक जीक हत्या करय वाली रूपम पाठक लोक सभ सं लागल मारि सं घायल छथीह. ओ अखन न्यायिक हिरासत मे पूर्णिया जेल मे छथीह. पुलिस हिनकर घर के पुलिस अपन कब्जा मे ल लेने अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु