नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश अमेरिका के पढ़एताह बिजनेसक पाठ

Nitish Invited By Columbian B-school

बिहार के लेल एकटा नीक खबर अछि. ई खबर मुख्यमंत्री नीतीश जीक लेल सेहो नीक छनि. एकरा अहां नीतीश जीक एकटा पैघ उपलब्धि कहि सकय छी. हुनका अमेरिका के प्रतिष्ठित कोलम्बिया यूनिवर्सिटी सं न्योत मिललन्हि. यूनिवर्सिटी के तरफ सं ई न्योत ओहिठाम के कोलम्बिया बिजनेस स्कूल मे लेक्चर देबय लेल छनि.

असल मे न्यूयॉर्क मे एक अप्रैल सं इंडिया बिजनेस कॉन्फ्रेंस होए वाला अछि. नीतीश जीके बिहारक तात्कालिक समग्र विकास आओर
हमर विचार... The Urgency Of Inclusive Growth And My Vision For Bihar पर लेक्चर देबय के छनि. कोलम्बिया बिजनेस स्कूल बिहारक विकास मॉडल के अपन सिलेबस मे सेहो शामिल करय के सोचि रहल अछि.
Nitish Kumar
 नीतीश जीक नेतृत्व मे पिछड़ल बिहार मे जे विकास भेल अछि आओर जेहि तरह सं ओ भारी वोट सं फेर सं जीत क अएलाह ओहि सं पूरा दुनिया के नजर बिहार पर अछि. स्कूल सेहो चाहैत अछि जे नीतीश जीक नेतृव्त मे मिलल बिहार के एहि कामयाबी के पाठ दुनिया के मैनेजमेंट के छात्र पढ़य. संगहि-संग नीतीश जी खुद सेहो अपन कुशल management के गुर छात्र के बतौथिन्ह.

कुल मिला क कोलम्बिया बिजनेस स्कूल बिहारक विकास...नीतीश जीक नेतृत्व पर छात्र के बताबय चाहैत अछि. मुख्यमंत्री जी एहि न्योत सं उत्साहित छथिन्ह आओर अफसर सभ के तैयारी करय के लेल सेहो कहलखिन्ह. कॉन्फ्रेंस केर थीम अछि India: An Honest Conversation. एहि मे देश केर बिजनेस के संभावना आओर चुनौती जैसन मुद्दा पर चर्चा होएl अछि.

अखन हालहिं मे चीन के राजदूत जखन बिहार आएल छलाह त ओ सेहो हिनका चीन आबय के न्योत देने छलखिन्ह. चीनी राजदूत बिहार के विकास के लेल हरसंभव मदद देबय के भरोस सेहो देने छलखिन्ह. एहि यात्राक दौरान चीन के तरफ सं नालंदा यूनिवर्सिटी के लेल करीब एक अरब डॉलर के मदद सेहो देबय केर बात कहल गेल छल.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु