नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार के एकटा आओर सम्मान

बिहार के लेल एकटा गर्व केर बात अछि. बिहार के एकटा आओर प्रतिभा के सम्मानित कएल जा रहल अछि. एहि बेर सम्मानित भ रहल छथिन्ह बेतिया के पुलिस अधीक्षक निशांत कुमार तिवारी जी.

बेतिया के एसपी निशांत तिवारी जीके राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल 25 तारीख के दिल्ली मे सम्मानित करतीह. राष्ट्रपति हिनका
चुनाव आयोग के तरफ सं ईस्ट जोन के लेल बेस्ट जोनल अवार्ड सं सम्मानित करतीह.

चुनाव आयोग डायमंड जुबली समारोह के क्रम मे देश के सभ राज्य आओर केंद्र शासित प्रदेश के ‘शेरिंग बेस्ट इलेक्ट्रल प्रैक्टिसेज’ नाम सं पांचटा जोनल सिम्पोज़िया आयोजित करने छल.

एहि मे ईस्ट जोन के सिम्पोज़िया 10 जनवरी के भुवनेश्वर मे भेल छल. जेहि मे निशांत जी के अपन ‘सीपीएमएफ मैनेजमेंट’ प्रजेंटेशन के लेल ईस्ट जोन के बेस्ट जोनल अवार्ड के लेल चुनल गेल छनि.

चुनाव आयोग डॉयमंड जुबली समारोह के क्रम मे बेस्ट इलेक्ट्रल प्रैक्टिसेज पर दिल्ली के ताज पैलेस होटल मे 24 तारीख सं एकटा अंतर्राष्ट्रीय सम्मेलन करि रहल अछि. एहि मे दुनिया भर के चुनाव अधिकारी भाग लेताह.
निशांत जी एहि सम्मेलन मे सेहो हिस्सा लेताह. एहि सम्मेलन के दोसर दिन 25 जनवरी के राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल हिनका सम्मानित करतीह. ई बिहार के लेल बड़ नीक खबर अछि. एहि सं दोसर अफसर के प्रेरणा सेहो मिलतन्हि.

निशांत कुमार तिवारी जी 2005 बैच के बिहार कैडर के आईपीएस अधिकारी छथिन्ह. 2005 बैच मे हिनका बेस्ट प्रोबेशनर के अवार्ड प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह जी सं मिलल छलन्हि. जेहि मे हिनका पीएम बैटन आओर गृह मंत्रालयक पिस्टल मिलल छलन्हि.

निशांत जी काफी काबिल अफसर मानल जाय छथिन्ह. हिनकर एकेडमिक रिकॉर्ड शानदार रहल छनि. बिहार पुलिस के लेल ई सेहो गर्व के बात अछि जे एतेक ब्रिलिएंट अधिकारी हुनका संग जुड़ल छनि.

निशांत जीक स्कूली शिक्षा नेतरहाट स्कूल सं पूरा भेल छनि. नेतरहाट स्कूल सं 1995 मे मैट्रिक मे टॉप करला के बाद दिल्ली के मदर स्कूल सं पढ़ाई करि 12वीं मे सेहो टॉप करलखिन्ह.
Nishant Tiwary, SP, Bettiah
एहि के बाद दिल्ली विश्वविद्यालय के एनएसआईटी सं इंजीनियरिंग मे सेहो अपन नीक प्रदर्शन जारी राखलखिन्ह. 2007 मे ओस्मानिया यूनिवर्सिटी सं फर्स्ट क्लास सं मास्टर्स इन पुलिस मैनेजमेंट करलाह.

हिनका कइटा राष्ट्रीय- अंतर्राष्ट्रीय अवार्ड मिल चुकल छनि. जेहि मे पीएम बैटन आओर होम मिनिस्ट्री के पिस्टल के संग प्रेसिडेंट कप... सरदार बल्लभ भाई पटेल ट्रॉफी... अल्फा अवार्ड... कॉम्पैक़ ट्रॉफी... मेहता कप शामिल अछि. हिनका बिहार बोर्ड परीक्षा मे सात लाख विद्यार्थी मे टॉप करय पर गोल्ड मेडल सेहो मिलल छलन्हि.

निशांत जी करीढ़ ढ़ाई साल अमेरिका मे सेहो सीनियर सॉफ्टवेयर इंजीनियर के रूप मे काज क चुकल छथिन्ह. बेतिया से पहिने तीनटा आओर जिला मे एसपी रहि चुकल छथिन्ह. हेलो मिथिला के तरफ सं हिनका शुभकामना.

निशांत जीके अहां सभ सेहो बधाई द सकय छी.  अहां अपन शुभकामना... बधाई कमेंट के मार्फत सं हुनका द सकय छी. प्रतिभा के प्रेरित करनाय... उत्साह बढैनाय होबाक चाही. नीक काज के प्रशंसा एकदम जरूरी अछि.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

9 टिप्‍पणियां:

  1. बिहार के लेल एकटा गर्व केर बात अछि. बिहार के एकटा आओर प्रतिभा के सम्मानित कएल जा रहल अछि. एहि बेर सम्मानित भ रहल छथिन्ह बेतिया के पुलिस अधीक्षक निशांत कुमार तिवारी जी

    जवाब देंहटाएं
  2. Shri Nishant Tiwari ji ke yuth of mithila ke sab member ke taraf s badhae e mithila or bihar dunu ke lel nik baat ahhi je ehan lok mithila me wa bihar me ayala agar sab gota ehina kichh karya karta t mithila a bihar ke bikash me kono dikkat nai hetay

    anand jha
    secretary
    youth of mithila
    www.youthofmithila.com

    जवाब देंहटाएं
  3. bahut -bahut badhai. log cinema aa anya madyam saw bihar police ke akhain dhar khali kharabe chhavi dekhait chhalah muda tiwari jee dekha delkhin ki bihar police me kehan nik saw nik chhavi aa kaj karaw ke chhamta chhai- shravan kumar jha, Guwahati-ASssam.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु