नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कामयाबी केर लिंक्डइन सं कनेक्ट होउ

दुनिया भर मे आई-काल्हि फेसबुक के धाक जमल अछि. सोशल नेटवर्किग मे एकर एहन जलवा अछि जे ई नेट पर गुगल के नाक मे दम कएने अछि. फेसबुक जकां ऑर्कुट... मायस्पेश... अपनासर्कल... पीअरपॉवर आओर दोसर कइटा साउट अछि जे काफी लोकप्रिय अछि.

ई सभ सोशल नेटवर्किंग साइट नवका-नवका दोस्त बनाबय... सूचना के साझा करय के... अपन बात दोस्त सभ के संग शेयर करय के नीक मंच अछि. मुदा जखन बात जॉब...करियर के आबैत अछि त एहि मे लिंक्डइन बाजी
मारि लैत अछि.

सोशल नेटवर्किंग सं जॉब हासिल करय मे एकर कोनो जवाब नहि अछि. कामकाजी लोक... पेशेवर लोक मे ई काफी लोकप्रिय अछि. दुनिया के जतेक बड़का पेशेवर लोक छथिन्ह एकर मेंबर छथिन्ह.

एहिठाम अहां अपन फील्ड के लोक संग दोस्ती गांठि सकय छी. हुनका अपन फ्रेंडलिस्ट सं जोड़ि सकय छी. एहि मे सभ क्षेत्र के लोक आओर कंपनी के बॉस सं लsक एचआर के लोक जुड़ल छथिन्ह.

एहिठाम सिर्फ नौकरी के तलाश पूरा नहि होएत अछि. कंपनी सभ नीक-नीक स्टॉफ...योग्य कर्मचारी के तलाश सेहो करैत अछि. दूनु एक दोसरा के प्रोफाइल देखैत रहय छथिन्ह. कई बेर त बिना विज्ञापन देने एहिठाम तलाश पूरा भ जाएत अछि.

लिंक्डइन के दुनिया भर मे करीब 9 करोड़ मेंबर अछि. भारत मे सेहो ई काफी लोकप्रिय भ रहल अछि. भारत मे तीस लाख सं बेसि लोक एकर मेंबर छथिन्ह. एहि मे बेसि आईटी सं जुड़ल लोक छथिन्ह.

ओना आब एहि मे स्कूल... कॉलेज सं निकलय वाला फ्रेशर सभ सेहो काफी संख्या मे जुड़ि रहल छथिन्ह. एहि मे अहांक जतेक सम्पर्क बनत नौकरी के संभावना ओतेक बढ़ि जाएत. एहि के लेल प्रोफाइल अपडेट रहनाय जरूरी अछि.

लिंक्डइन मे बिजनेस सं जुड़ल लोक... बड़का-बड़का अफसर... पॉलिसी मेकर... उद्यमी अपन कारोबार के बढ़ा रहल छथिन्ह... आ फेर नीक मौका तलाशैत रहय छथिन्ह. स्कील्ड टैलेंट मिलय एहि के लेल सेहो जुड़ल रहय छथिन्ह.

अगर अहां नेट... कंप्यूटर सं जुड़ल रहय छी... अपन करियर संवारय चाहय छी आओर अखन धरि एकर मेंबर नहि बनल छी त जरूर बनि जाउ. आजुक दुनिया मे नवका मौका पाबय के लेल खुद के ब्रांडिग करनाय गलत नहि अछि.

अहां अपन एकटा प्रोफाइल बना लिअ. अपना बारे मे पूरा जानकारी... डिटेल... योग्यता... अचीवमेंट... अवार्ड... अपन खास बात के जिक्र करनाय नहि भूलु. एकटा नीक फोटो लगाउ. काम-काज के विवरण दिऔं.

एहां जेहि क्षेत्र मे अपन करियर बनाबय चाहय छी ओकर जिक्र जरूर करु. अगर ब्लॉग लिखैत छी त ओकर लिंक जोड़ु. ट्विटर अकाउंट के लिंक सेहो दिऔ. एहिठाम अहां जीमेल... याहू... हॉटमेल... फेसबुक सं सेहो अपन कंटैक्ट के लाबि सकय छी.

मेंबर बनला के बाद रोज या हफ्ता मे एक-दू करीब आधा घंटा टाइम एहि पर दिऔ...अपन नेटवर्क बनाबय लेल. एहि मे काफी ग्रुप सेहो अछि. अपन मनपसंद ग्रुप के ज्वाइन करु. डिस्कशन मे हिस्सा लिअ.

एहि मे एकटा खास चीज अछि रेकमेंडेशन के. अहां एहि मे दोसर लोक के जिनका बारे मे अहां जानय छी... हुनकर योग्यता... क्षमता के बारे मे लिखिऔ... दू चारि लाइन हुनकर बारे मे लिख क भेजिऔ. अहां नीक सं भेजबन्हि त ओहो अहां के बारे नीक सं लिख क भेजताह.

एकटा चीज ध्यान राखब जे जिनका नीक सं नहि जानय छी हुनका सं अपन जान-पहचान वाला के मार्फत सम्पर्क करब. दोस्ती के लेल अहां के पास ओहि आदमी के ईमेल एड्रेस होनाय जरूर अछि.

अगर फेसबुक... ऑर्कुट जकां थोक मे दोस्त बनाबय के कोशिश करब आओर अगर बेसि लोक कहताह कि हम हिनका नहि जानय छी त अकाउंट बंद होए के डर सेहो रहैत अछि. एहि लेल धीरे-धीरे कदम बढ़ाबय के जरूरत अछि.

जेहि आदमी के अहां दोस्ती करय चाहय छी अगर ओ अहां के नहि जानय छथि तं एहन मे जे हुनका जानय छथिन्ह हुनका सं रिक्वेस्ट करय पड़त जे फलां आदमी सं हमर सिफारिश करिऔ... हुनका हमरा बारे मे बतबिऔंह.

आब ओ अहांक बारे मे कहथिन्ह जे फला आदमी अहां सं दोस्ती करय चाहैत अछि तं ओ अहांके अपन फ्रेंडलिस्ट मे शामिल करताह. असल मे कामकाजी आदमी अपना संग सभ के नहि जोड़य चाहय छथिन्ह.

किएक त फेसबुक...ऑर्कुट मे काफी फर्जी लोक सेहो जुड़ल छथिन्ह ओहि सं बचय लेल एहि मे विशेष सावधानी बरतल जाएत अछि. कोई बेवजह अहां के डिस्टर्ब नहि करत. मुदा लोक अहांक योग्यता देखि क अहां सं सम्पर्क करत.

त देर नहि करि एकर नीक सं उपयोग करु. करियर के एकटा नवका दरवाजा खोलु. सम्पर्क के एकटा नवका रास्ता बनाउ. किएक त बिना कंटैक्ट नौकरी मुश्किल भ जाएत अछि कई बेर. त शुभ लिंक्डइन.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु