नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिलाक पावनि-त्योहार : मिथिला पंचांग

तिला संक्रांति दिन कालीभूषण जी सं गप भ रहल छल. कालीभूषण जी हमर गाम केवटी... दरभंगा सं छथिन्ह. आई-काल्हि मुम्बई मे काज करय छथिन्ह. मैथिली सं हिनका विशेष लगाव छनि.

कालीभूषण जी कहलाह जे तिला संक्रांति त हर साल 14 जनवरी के होएत अछि एहि लेल ध्यान पर रहैत अछि. मुदा कई बेर एहन होएत अछि जे कइटा पावनि-त्योहार खत्म भ जाएत अछि आओर पता नहि चलैत अछि.

ओ आग्रह कएलाह जे अहां अपन हेलो मिथिला पर मिथिलाक पावनि त्योहार के तारीख... पंचाग
के बारे मे सेहो दिऔ. ई बात कई बेर हमहुं सोचैत छलहुं. मुदा एहि आग्रह के बाद देबय के तय करि लेलौं.

हम कालीभूषण जी आओर अहां सभ के सुविधा के लेल एहिठाम मिथिला पंचांग के खास दिन... तारीख के एहिठाम डालि रहल छी. उम्मीद अछि ई अहांक सभ के काज आएत. हेलो मिथिला पर आओर किछ चाहैत छी त जरूर बताएब.

मैथिली पंचांग
सन 1418 ( 2010-2011)

विवाहक शुभ दिन
जनवरी 2011- 17, 21, 23, 24, 26, 27, 28 31
फरवरी 2011- 3, 4, 7, 9, 18, 20, 24, 25, 27, 28
मार्च 2011- 2, 7
मई 2011- 11, 12, 13, 18, 19, 20, 22, 23, 29, 30
जून 2011- 1, 2, 3, 8, 9, 10, 12, 13, 19, 20, 26, 29

उपनयनक शुभ दिन:
फरवरी 2011- 8
मार्च 2011- 7
मई 2011- 12, 13
जून 2011- 6, 12

द्विरागमनक शुभ दिन:
फरवरी2011- 20, 21
मार्च 2011- 6, 7, 9, 13
अप्रैल 2011- 17, 18, 22
मई 2011- 5, 6, 8, 13

मुण्डनक शुभ दिन:
फरवरी 2011- 4, 16, 21
मार्च 2011- 7, 9
अप्रैल 2011- 22
मई 2011- 6, 9, 19
जून 2011- 3, 6, 10, 20

पावनि त्योहार
मकर/तिला संक्रांति -15 जनवरी
सरस्वती पूजा- 08 फरवरी
नरकनिवारण चतुर्दशी - 01 फरवरी
अचला सप्तमी- 10 फरवरी
महाशिवरात्री -03 मार्च
होलिता दहन-फगुआ-19 मार्च
होली-20 मार्च
वारुणी योग- 31 मार्च
वारुणी नवरात्रारम्भ- 4 अप्रैल
वारुणी छठि व्रत- 9 अप्रैल
रामनवमी- 12 अप्रैल
मेष संक्रांति-सतुआनी-14 अप्रैल
जूड़शीतल-15 अप्रैल
सोमवती अमावस्या व्रत- 02 मई
अक्षय तृतीया-06 मई
रवि व्रतांत- 08 मई
जानकी नवमी- 12 मई
वटसावित्री-बरसाइत - 01 जून
गंगा दशहरा-11 जून
जगन्नाथ रथ यात्रा- 3 जुलाई
हरिशयन एकादशी- 11 जुलाई
आषाढ़ी गुरु पूर्णिमा-15 जुलाई

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु