नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

उषा किरण खान जीके साहित्य अकादमी पुरस्कार

मशहूर साहित्यकार...कथाकार...उपन्यासकार डॉ उषा किरण खान जीके मैथिलीक साहित्य अकादमी पुरस्कार 2010 देल जाएत. हुनका ई पुरस्कार भामती उपन्यास के लेल देल जाएत.

ई पुरस्कार 15 फरवरी के दिल्ली मे देल जाएत. सम्मान के रूप मे साहित्यकार के एकटा ताम्रफलक... शाल आओर एक लाख रुपया देल जाएत अछि.

उषा किरण जीक कथा-पिहानी गाम-घर के परिवेश मे बुनल रहैत छनि. हिनकर कहानी मे गाम-घरक पाखंड... आडम्बर... मान्यता... संस्कार... रीतिरिवाज... रुढ़ि सभ पर चोट रहय छनि. हिनकर कहानी मिथिलाक
समाज के दर्शन कराबैत रहैत अछि.
उषा किरण खान
हिनकर कथा-कहानी मे एकटा अलगे प्रवाह रहैत छनि. एक बेर पढ़नाय शुरू करय त खत्म करिए के छोड़ब. एकदम सहज रहय छनि. एकदम बोलचाल के भाषा. आओर सभ एकटा पॉजिटिव संदेश लेने रहैत अछि.

उषा किरण जीक कथा-पिहानी मे अहांके बाबा नागार्जुनक...यात्रीजीक छाप देखय लेल मिल सकैत अछि. उषा जी बाबा जीक काफी करीबी सेहो रहलखिन्ह. बाबा के हिनका पर खास आशीर्वाद रहलन्हि.
बाबा के संग उषा जी
उषाजी सिर्फ कहानी... उपन्यासे नहि लिखने छथीह. सामाजिक... सांस्कृतिक आओर इतिहास पर सेहो बराबर लिखैत रहय छथीह. सय टा सं बेसि निबंध छपल छनि. मैथिली आओर हिन्दी दूनु भाषा मे लिखय छथीह.

हिनकर जन्म 24 अक्तूबर 1945 के लहेरियासराय...दरभंगा मे भेल छलन्हि. जहां तक पढ़ाई लिखाई के बात अछि उषाजी एमए... पीएचडी कएने छथीह. बी डी इवनिंग कॉलेज मे पढ़ा सेहो चुकल छथीह.
पति रामचन्द्र खान जीक संग

उषा जी आईपीएस अधिकारी रामचन्द्र खान जीक पत्नी छथीह... आओर लहेरियासराय पर केन्द्रित हि्नकर उपन्यास हसीना मंजिल काफी चर्चा मे रहल छनि.

रंगमंच सं सेहो जुड़ल छथीह... निर्माण कला मंच के अध्यक्ष छथीह. मैथिलीक संग हिन्दी... भोजपुरी के विकास के लेल सेहो लागल रहय छथीह. महिला चक्र समिति... सफर मैना एनजीओ सं सेहो जुड़ल छथीह.

हिनका कइटा सम्मान... पुरस्कार सं सम्मानित सेहो कएल गेल छनि. जेहि मे बिहार राष्ट्रभाषा परिषद के हिन्दी सेवी पुरस्कार... बिहार राजभाषा केर महादेवी वर्मा पुरस्कार...राष्ट्रकवि दिनकर पुरस्कार शामिल छनि.
राजभाषा पुरस्कार
हिनकर छपल किताब मे त्रिज्या... फागिन के बाद... सीमान्त-कथा... रतनारे नयन (उपन्यास) विवश विक्रमादित्य... दूब-धान...गीलीपांक...कामवन... जलधार (कहानी-संग्रह)...उगना रे ...हीरा डोम (नाटक)... उड़कू... जनमेजय (बाल नाटक) शामिल अछि.

उषा किरण खाम जीक अनुंत्तरित प्रश्न... दूर्वाक्षत... हसीना मंज़िल... भामती (उपन्यास)... डैडी बदल गये... सात भाई चम्पा... नानी की कहानी... एक बम हजार गम... काँचहि बाँस सेहो लिखने छथीह.
अज्ञेय जीक संग
हिन्दी मे हिनकर सातटा उपन्यास आओर 9टा कहानी संग्रह छनि. हिनका साहित्य अकादमी पुरस्कार मिलय सं पूरा मिथिला मे खुशी के माहौल अछि. हिनका लोक सभ सं बधाई मिलल के लाइन लगि गेल छनि

हेलो मिथिलाक तरफ सं सेहो हिनका बधाई

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु