नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नोकरी आकि आजीवन कारावास

नेनामे अहां घोंइट-घोंइट कs
यादि करैत रहिऐ किताबक पन्ना
सोचैत रहिऐ खूब पढ़ि-लिखि कs
नीक सन नोकरी भेटत

तहि लेल गिन-राति घसैत रही कलम
क्लासमे अबैत रहि प्रथम
मुदा जखन नहि भेटल सरकारी नोकरी तं
प्राइवेट नोकरी करै पड़ल
एहि समयमे नहि अपन लेल समए
नहि परिवारक भरण-पोषणक लेल पाइ
एहि ठाम विकट परिस्थितिमे
मन पड़ैत अछि बरटोल्ड ब्रेस्ट

हुनकर कहब छल जे एक गोटाकें
कम दरमाहा देब माने अछि आजीवन कारावास
हम पुछैत छी
अहां कहू वा बताऊ कोन नीक
कम दरमाहाबला नोकरी
वा आजीवन कारावास

एक ठाम, अहांके दुनिया भरिक रहत दायित्व
मुदा नहि रहत शांति
दोसर ठाम, अहांके दुनिया भरक रहत शांति
मुदा नहि रहत कोनो दायित्व.

-विनीत उत्पल
(हम पुछैत छी)
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु