नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिलाक सम्मान बढ़ाबय के समय

कला... साहित्य... नृत्य आओर संगीत के बढ़ावा देबय के क्षेत्र मे काज करय वाला एकटा संस्था अछि Arte Comunicarte. पेरिस...फ्रांसक ई संस्था समय-समय पर कलाकार सभ के सम्मानित सेहो करैत रहैत अछि.

नवका साल पर ई संस्था एक बेर फेर सं कलाकार सभ के सम्मानित करय जा रहल अछि. एहि के लेल पेंटिंग...संगीत... नृत्य ...साहित्य समेत कई वर्ग मे वोटिंग चलि
रहल अछि.

Shweta Jha
खुशी के बात ई अछि जे एहि मे एकटा कलाकार अपन मिथिलाक सेहो छथीह. पेंटिंग वर्ग मे श्वेता झा जीक तीनटा मधुबनी पेंटिंग एहि के लेल चुनल गेल छनि. आब ई पेंटिंग दुनिया भर मे मिथिलाक नाम रौशन करय ई अहांक हाथ मे अछि.

श्वेताक जीक मधुबनी पेंटिंग... मिथिला पेंटिंग एहि विश्वस्तरीय प्रतियोगिता मे अपन स्थान बना पाबय एकरा लेल अहां सभ के अपन अमूल्य वोट देबय के जरूरत अछि. अहांक एकटा वोट सं मिथिलाक नाम दुनिया भर मे जगमगाएत.

सिर्फ एक वोट केर बात नहि अछि. अगर अहांक एक वोट सं अपन मिथिला पेंटिंग चुनाएत अछि त दुनिया भर के लोक मिथिला पेंटिंग... मधुबनी पेंटिंग के बारे मे जानय के कोशिश करथिन्ह.

Shree Krishna Leela
एहि के बारे मे जानय के कोशिश के क्रम मे कतेक लोक मधुबनी... मिथिलाक दौरा सेहो करि सकय छथि. पर्यटन के बढ़ावा मिलत. दुनिया भर के लोक सभ अहांक पेंटिंग खरीदताह. एहि सं स्थानीय कलाकार सभ के रोजगार मिलतन्हि.

कलाकार सभ के बनाएल पेंटिंग के लोक सभ खरीदताह त बेसि सं बेसि लोक एहि दिशा मे काज करय लेल प्रेरित होएताह. मिथिला पेंटिंग जे धीरे-धीरे दुनिया भर मे अपन नाम बनाबय के कोशिश मे लागय अछि... स्थापित होए के मौका मिलत.

फेर अहांक कोनो माई...बहिन...बेटी...बहू के ई अवार्ड मिलत त कतेक नीक लागत... मन गदगद भ जाएत. मिथिलाक लेल ई गर्व के बात होएत. बस अहां सभ अपन-अपन एक-एकटा वोट मिथिलाक नाम पर द दिऔ.

Lord ShreeNath jee
प्रतियोगिता बड़ कठिन अछि. भारत सं एहि के लेल 54 कलाकार मैदान मे छथिन्ह. हिनकर सभक 278 टा पेंटिंग प्रतियोगिता लेल चुनल गेल छनि. अहां सभ के जोर-शोर सं वोट करय पड़त तखने श्वेताजी जीत पएतीह.

ओना वोटिंग खत्म होए मे अखन टाइम अछि मुदा अहां सभ देर नहि करु जतेक जल्दी भ सकय हिनका लेल नीक रहतन्हि... मिथिला पेंटिंग लेल नीक रहत.

श्वेताजी पिछला 20 साल सं मिथिला पेंटिंग सं जुड़ल छथीह. ओना हिनकर जन्म रांची मे भेल छनि मुदा श्वेता जी मंगरौनी गाम के छथिन्ह जेहि गाम के बारे मे कहल जाए अछि जे एहि गाम के मदन मोहन उपाध्याय जीक एतेक आध्यात्मिक शक्ति छलन्हि जे ओ नहैलाक बाद अपन धोती टांगय नहि छलखिन्ह बल्कि आकाश मे फेंक दैत छलखिन्ह. ओ ओतय सं सूखा क वापस आबि जाएत छल.

Celebrating Motherhood
सासूर छनि करमौली आओर पिछला चारि साल सं सिंगापुर मे छथीह. सिंगापुर मे हिनकर मधुबनी पेंटिंग के कइटा प्रदर्शनी सेहो लागल छनि. श्वेताजी मिथिला पेंटिंग के दुनिया मे सभसं ऊपर स्थापित करय के कोशिश मे लागल छथीह.

एहां सभ एहि ठाम क्लिक करि ओहि वोटिंग पेज पर जाsक वोट करि सकय छी आओर अपन कमेंट सं श्वेताजीक उत्साह बढ़ा सकय छी.


Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु