नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटरक नववर्ष मिलन समारोह

नववर्ष 2011 अहां सभ के लेल... हेलो मिथिला के सभ पाठक के लेल मंगलमय होए. 2011 अहां सभ के लेल शांति...सुख आओर समृद्धि लsक आबय. अहां एहि साल जे शुभ काज करय चाहय छी...ओ सपना सच मे तब्दील होए. ईश्वर सं हमर इहे कामना अछि.

केवटी, दरभंगा मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर के तरफ सं नव वर्ष मिलन समारोह के आयोजन कएल गेल. एहि अवसर पर मिथिला पेंटिंग सं जुड़ल सभ लोक के न्योत
देल गेल छलन्हि.

इलाका के पत्रकार सभ के सेहो बुलाएल गेल छलन्हि. हुनका सभ के मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर के आगां के कार्यक्रम... टारगेट के बारे मे जानकारी देल गेलन्हि. एहि सेंटर पर इलाका के लोक के मुफ्त मे मिथिला पेंटिंग के ट्रेनिंग देल जाए छनि.

अखन धरि केवटी के आसपास एकोटा मिथिला... मधुबनी पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर नहि छल. जखन कि मधुबनी... मिथिला पेंटिंग के लेल दुनिया भर मे मशहूर रांटी... जितवारपुर मात्र 25-30 किलोमीटर पर स्थित अछि.

एहि सेंटर के शुरू कएलखिन्ह रामकुमार दास जी. रामकुमार जी रिटायर भेलाह के बाद गाम मे एहि शुभ कार्य के श्रीगणेश कएलाह. एहि काज मे हुनका अपन धर्मपत्नी श्रीमती चंद्रलता दास जीक पूरा सहयोग मिल रहल छनि.

रामकुमार जी अपन नौकरी के कार्यकाल मे दुनिया घुमलाह. देश-विदेश मे रहय के दौरान एकटा चीज महसूस करलखिन्ह जे दुनिया भर मे लोक मिथिला-मधुबनी पेंटिंग के खूब पसंद करय छथिन्ह.

दुनिया भर के लोक एहि पेंटिंग के नीक पाए द खरीदय छथिन्ह मुदा पेंटिंग बनाबए वाला के नीक पाए नहि मिलय छनि. आओर गाम घर मे ई कला धीरे-धीरे खत्म भ रहल अछि. सिर्फ शादी-विवाह मे एकरा बनाबए को औपचारिकता निभाएल जा रहल अछि.

एहि मे पेंटिंग बनाबए वाला आओर खरीदय वाला के बीच दलाल सभ के भरमार अछि. जेहि कारण कलाकार के उचित पाए... सम्मान नहि मिल पाबैत अछि. कलाकार के बाजार तक डायरेक्ट पहुंच नहि अछि.

एहि सभ के देखैत...कलाकार के दुर्दशा के देखैत... ओतेक मेहनत करला के बादहुं उचित मानदेय नहि मिलला पर रामकुमार जी फैसला करलखिन्ह जे ओ एहि दिशा मे सुधार लाबय लेल काज करथिन्ह.

रामकुमार जी अपन बंगलौर के मेट्रो सिटी वाला मकान... घर द्वार... तीस साल के दौरान बनाएल गेल अपन बसल-बसाएल दुनिया के छोड़ि फेर सं गाम वापस अएलाह. एकाएक शहर के सुविधा के छोड़ि गाम-घर के वास्तविक पर परेशानी सं भरल दुनिया मे अपना के एडजस्ट करनाए कतेक मुश्किल अछि से अहां समझि सकय छी.


शहर के चकाचौंध सं मुश्किल सं दू-चारि घंटा बिजली रहय वाला गाम के माहौल... खाना पकाबय लेल गैस के लेल गाम सं 20 किलोमीटर दूर दरभंगा जाक लाइन मे लागय के कष्ट अहां समैझि सकय छी.  छोट-मोट काज के लेल दरभंगा के चक्कर लगैनाए.

एहि लेल गाम मे आबि क रहय के फैसला... लोक के मिथिला पेंटिंग के ट्रेनिंग देबय के फैसला अहां सभ के जतेक आसान लगैत होए ओतेक अछि नहि. एहि के लेल हिनका दूनु प्राणी के जतेक प्रशंसा कएल जाए कम होएत. एहि सं गाम के आओर दोसर लोक के प्रेरणा सेहो मिलतन्हि.

खैर दूनु गोटे मिलsक पहिल जनवरी के मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर सं जुड़ल सभ लोक के बुला... मिलन समारोह करि संकल्प लेलखिन्ह जे हम मिथिलाक विकास के लेल... मिथिला पेंटिंग के विकास के लेल सदिखन तत्पर रहब.

रामकुमार जी जखन ट्रेनिंग सेंटर शुरू करलखिन्ह तखन लोक के ओतेक सहयोग नहि मिललन्हि. लोक सभ अपना मे बतिआएत छलखिन्ह जे शहर सं अएलाह अ... दू चारि दिन मे जखन दस तरहक परेशानी के झेलताह त वापस बंगलौर भागि जएताह.

शहर मे रहय वाला लोक सभ सं ई सभ संभव नहि अछि. मुदा रामकुमार जी जे ठानि लेने छलखिन्ह ओकरा पूरा करय लेल सभ कष्ट भूलि दिन- राति एक करि देलखिन्ह. आब आसपास के कई गाम के लोक एहि ठाम ट्रेनिंग लेबय आबय छथिन्ह.

आसपास के गाम के माई- बहिन आबि अहिठाम मिथिला पेंटिंग सीख रहल छथीह. सीखय लेल पाए नहि लागय सं गाम-घर के गरीब परिवार के माई-बहिन सभ जोर-शोर सं आगां आबि रहल छथीह. आओर आब हुनका लोक के पूरा सहयोग सेहो मिलि रहल छनि.

गाम-घर मे एकटा चीज अछि जे पहिने त कोनो लोक नीक काज करनाए शुरू नहि करताह... आओर अगर कोनो लोक शुरू करथिन्ह त सहयोग करय के जगह दस तरहक ताना मारथिन्ह. मुदा आब रामकुमार जीके गाम-घर के सभ लोक के नीक सहयोग मिल रहल छनि.

हेलो मिथिला के तरफ सं एकबेर फेर सं रामकुमार दासजी...श्रीमती चंद्रलता दासजी के संग मधुबनी पेंटिंग के ट्रेनिंग लेबय... देबय वाला सभ लोक के नववर्षक शुभकामना.

फोटो अहां मुस्कुराहट ब्लॉग पर देखि सकय छी.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

4 टिप्‍पणियां:

  1. बहुत खूब भाई
    मैं भी केओटी के पास के गाँव खैरी बांका का हूँ।

    जवाब देंहटाएं
  2. अति सराहनीय कार्य्। हमर शुभकामना

    जवाब देंहटाएं
  3. Heartiest congrats to Mrs&mr. Ram Kumar Das ...to providing a splendid platform in which maithil (Keoti)can show their Real ability, in context to Mithila Penting. They already have but need to a proper guidance to show their performance.
    I am also appreciating to Mr. Hitendra gupta ji to provide us a valuable news.
    Kumar Kali Bhushan
    Keoti-Darbhanga, Mumbai.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु