नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कीर्ति आजाद के जान सं मारय के धमकी

दरभंगा सं बीजेपी सांसद कीर्ति झा आजाद जीके जान सं मारय के धमकी मिललन्हि. कीर्ति झा आजाद अखन दिल्ली मे छथिन्ह. आओर ई धमकी मोबाइल पर आएल एकटा एसएमएस सं देल गेल.
एसएमएस मे बीस लाख रुपया देबय के सेहो मांग कएल गेल अछि.

धमकी मिलला के बाद लहेरियासराय थाना इंचार्ज मिथिलेश कुमार झा एहि बारे मे एकटा मामला दर्ज क लेलखिन्ह. धमकी 25 दिसंबर के देल गेल छल

पुलिस छानबीन मे पता चलल जे ई धमकी दरभंगा के रहमगंज इलाका मे रहय वाला लड़का  पीके चौधरी के मोबाइल सं भेजल गेल अछि.

लड़का पीके चौधरी  क्रिकेटर छथिन्ह आओर राज्यस्तरीय क्रिकेट खेल चुकल छथिन्ह. लड़का के परिवार के लोक SMS भेजय आओर धमकी देबय के बात  सं इनकार करि रहल छथिन्ह.

लड़का अखन दरभंगा मे नहि अछि ओ कतहुं गेल अछि. मुदा लड़का के एहि सं पहिने एहन तरहक कोनो इतिहास नहि रहल अछि.  परिवार के कहनाय अछि जे लड़का के फंसाएल जा रहल अछि.

धमकी क्रिकेटर के मोबाइल सं देल गेल अछि. लड़का नीक क्रिकेट खिलाड़ी अछि. मुदा एमपी साहेब आजाद जी ओहि लड़का के जानय सं इनकार करय छथिन्ह.

पुलिस एमपी साहेब के सेहो सतर्क रहय लेल कहलखिन्ह. जरूरत पड़ला पर पुलिस हुनकर सुरक्षा व्यवस्था आओर मजबूत क सकैत अछि. अखन हुनका पुलिस सं बॉडीगॉर्ड मिलल छनि.

कीर्ति जी दरभंगा के सांसद के संग भारतीय क्रिकेट टीम के खिलाड़ी सेहो रहि चुकल छथिन्ह. दरभंगा के संग-संग बिहार मे क्रिकेटक विकास मे सेहो लागल रहय छथिन्ह. मुदा क्रिकेट के क्षेत्र मे बिहार मे हिनका ओतेक सफलता नहि मिललन्हि.

कीर्ति जी बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री भगवत झा आजाद जीके सुपुत्र छथिन्ह. हिनकर जन्म 2 जनवरी 1959 के पूर्णिया मे भेल छनि...यानी जन्मदिन नजदीक अछि. अहां अपन एमपी के 2 जनवरी के बधाई द सकय छी.

कीर्ति जी 1993 सं 1998 धरि दिल्ली सं विधायक रहि चुकल छथिन्ह. दरभंगा हिनकर सासुर छनि. हिनकर पत्नी पूनम झा आजाद दिल्ली के गोल मार्केट सं एमएलए के चुनाव लड़ि चुकल छथीह. मुदा ओ मुख्यमंत्री शीला दीक्षित के हराबय मे कामयाब नहि भ पएलीह.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

5 टिप्‍पणियां:

  1. Kumud Singh: हितेंद्र जी, धमकी चार‍ि दिन पूर्व मोबाइल पर एसएमएस क माध्‍यम स भेटल छल आ एहि पर कार्रवाई करैत पुलिस बुधदिन ओ मोबाइल के जब्‍त कए लेलक, धमकी देनिहार खिलाडी अछि, आ फरार अछि, ओकर भाई स पूछताछ भ रहल अछि, बिहार में क्रिकेट कए नष्‍ट करबा मे कीर्ति बाबूक बहुत योगदान अछि

    जवाब देंहटाएं
  2. Sheshnath Mishra: kricket ke nasht karwa meeeee???????surprisingly sad.....

    जवाब देंहटाएं
  3. Kumud Singh: कीर्ति जी लेल करोलबाग स आगू दुन‍िया नहि अछि, इलाका लेल खेल क विकास सहित कोनो काज त आइ धरि नह‍ि केलथि मुदा एकटा खिलाडी कए बदनाम जरूर कए देलथि, इ एकटा आम लोक तक कए बुझल अछि जे बिहार में 20 लाखकक रंगदारी केना मांगल जाइत अछि, कीर्ति जी बिहार में क्रिकेट कए हत्‍या करबा लेल कोनो प्रयास नहि छोडने छथि, दरभंगा मे एकटा मैदान तक नहि बना सकला अछि, दरभंगा क दुर्भाग्‍य अछि जे एहन सांसद भेटल,

    जवाब देंहटाएं
  4. Vijay Jha :कुमुद जी बहुत सटीक टिप्पणी, कीर्ति झा बहुत खुदगर्ज इन्सान अछि, अपना आलावा किछु नहीं देखाई छैन्ह हिनका, दरभंगा के दुर्भाग्य अछि जे इ हमरा लोकनि के सांसद छथि. एकटा सांसद भ के एही तरहक फूहर आरोप लगेनाए मिथिला के संस्कृत के खिलाफ अछि i

    जवाब देंहटाएं
  5. ehane neta sab ke kaaran mithilak vikaas nai bha paabi rahal achhi... ehi mein bihar sarkar aur kendra sakar ke besi dosh nai... dosh hamar apan neta sab ke achhi jinka hum chuni k Delhi Patna bhejai chhiyen

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु