नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सुर-संग्राम फाइनल मे बवाल...

पटना के गांधी मैदान मे होए वाला महुआ चैनल के सुर-संग्राम ग्रैंड फिनाले मे एतेक हंगामा भेल जे कार्यक्रम के रद्द करय पड़ल. दर्शक के हंगामा के कारण हालात एहन भ गेल जे पुलिस के लाठी भांजय पड़ल. कइटा लोक घायल भ गेलाह.

आगां बैसय आओर कार्यक्रम मे अश्लीलता के लsक लोक सभ भड़कि गेलाह. दर्शक सभ तोड़-फोड़ करय लागलाह. कुर्सी फेंकल गेल...कुर्सी...फर्नीचर... पर्दा मे आगि लगा देल गेल. बवाल एतेक बढ़ि गेल जे कार्यक्रम रद्द करय पड़ल.

ई सभ तखन भेल जखन कि मंच पर बिहार के राज्यपाल... उप मुख्यमंत्री आओर तमाम मंत्री मौजूद छलखिन्ह. मंत्री सभ के रहय के कारण प्रशासन के कइटा बड़का अफसर सभ सेहो मौजूद छलाह.

मुदा हंगामा होएत रहल. दर्शक पर हिनकर सभक अपील के कोनो असर नहि पड़ल. बवाल बढ़ैत देखि मंत्री सभ घरक राह धरलाह. आयोजक मंत्रीजी सभ के पड़ाएत देखला के बाद कार्यक्रम रद्द करनाए नीक समझलखिन्ह.

अफसर सभ के मंच सं जाएत देखि पुलिस हल्ला करय वाला के जमि क पीटलक...खबर त इहो अछि जे राति मे 11 लोक के हिरासत मे सेहो लेल गेल.

लोक सभ के कई तरहक बात कहनाय छनि. किछ लोक के कहनाय छनि जे कार्यक्रम नीक ढंग सं शुरू भेल मुदा भोजपुरी गाना सभ के आड़ मे अश्लीलता के कारण परिवार सभ के संग आएल लोक ओकर विरोध करय लागलखिन्ह. जेहि पर आओर लोक सभ भड़कि गेलखिन्ह.

दोसर तरफ किछ लोक के कहनाय छनि जे जेहि हिसाब सं लोक के पास बांटल गेल छल ओहि हिसाब सं इंतजाम नहि छल. सभ लोक आगां बैसय चाहय छलखिन्ह. मंच के पास बैसय के कोशिश मे हंगामा भेल.

संगहि-संग कार्यक्रम देखय लेल गांधी मैदान काफी लोक पहुंचि गेल छलखिन्ह. मुदा कार्यक्रम स्थल पर घुसय नहि देल जाए पर लोक सभ भड़कि गेलखिन्ह. पत्थरबाजी होए लागल. भगदड़ जकां मचि गेल.

एहन हंगामा पिछला साल सेहो गांधी मैदान मे भेल छल. पिछला साल सेहो लाठी चार्ज कएल गेल छल. मुदा लगैत अछि आयोजक ओहि घटना के भूलि गेल छलखिन्ह. सुरक्षा के नीक इंतजाम नहि कएल गेल छल.

किछ लोक के त इहो कहनाय छलन्हि जे ई कार्यक्रम समाज के बांटय के काज करि रहल अछि. उत्तर प्रदेश आओर बिहार के लड़ाबय के कोशिश करि रहल अछि. एहि ग्रैंड फिनाले के दूगो फाइनलिस्ट मे सं एकटा यूपी के आओर दोसर बिहार सं छल.

मामला पूरा यूपी-बिहार के बना देल गेल छल. पिछला साल सेहो बवाल के आशंका के देखैत दूनु फाइनलिस्ट के संयुक्त विजेता घोषित करि देल गेल छल. ओहने स्थिति एहि बेर सेहो बनि गेल. लोक यूपी-बिहार के नाम पर कार्यक्रम के विरोध करय छलखिन्ह.

ओना आई-काल्हि भोजपुरी गीत-संगीत मे अश्लीलता काफी बढ़ि गेल अछि. नीक लोक आब भोजपुरी गाना सुनय सं कतराएत छथिन्ह. द्विअर्थी संवाद वाला गाना के भरमार भ गेल अछि. फिल्म... गाना सभ गंदा-गंदा डॉयलॉग...बोल सं भरल रहैत अछि.

भोजपुरी के साहित्यकार... सामाजिक कार्यकर्ता... आओर प्रबुद्ध लोक सभ के एहि पर विचार करय पड़तन्हि. नहि त ई ट्रेंड भोजपुरी के लेल घातक साबित भ सकैत अछि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

2 टिप्‍पणियां:

  1. हितेंद्र जी, अहाँ सही लिखे छी जे भोजपुरी के आड़ में अश्लीलता भोजपुरी के लेल घातक साबित भा रहल छै| अजुका भोजपुरी सिनेमा में "गंगा किनारे मोरा गाँव" आ "बलम परदेशिया" जकां मिठास आ शालीनता नहि रहि गेल अछि आ कतेको परिवार भोजपुरी के नग्नता के पर्याय माइन बैसल छैथ|

    जवाब देंहटाएं
  2. Sahi Kahlau Rajeev jee... sab san dukh ke baat t ee achhi je ee aab Maithili geet-sangeet me seho shuroo bha gel achhi...ehi par turant rok lagaabai ke zaroorat achhi.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु