नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सोमदेव जीके प्रबोध सम्मान

एहि बेरक प्रतिष्ठित प्रबोध साहित्य सम्मान मैथि‍ली साहि‍त्‍यकार सोमदेव जीके मिलतन्हि. हुनका पटना के कालिदास रंगालय मे 19 फरवरी के प्रबोध साहित्य सम्मान- 2011 सं सम्मानित कएल जएतन्हि.

स्वस्ति फाउंडेशन के तरफ मिलय वाला एहि सम्मान मे सोमदेव जीके एक लाख टका नकद आओर स्मृति चिन्ह देल जएतन्हि. सोमदेव जीक जन्म 5 मार्च 1934 के दरभंगा जिलाक बेनीपुर सबडिवीजन के दाथ गाम मे भेल छनि. ओना आब ओ लहेरियासराय के जीएन गंज मे रहय छथिन्ह.

सोमदेव जी ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के महारानी कल्याणी महाविद्यालय सं जुड़ल रहल छलखिन्ह. रिटायर भेलाह के बाद अपन समय मैथिली साहित्य मे लगौने छथिन्ह.

मैथिली विद्वान 76 वर्षीय सोमदेव जीक कइटा किताब छपि चुकल छनि. जेहि मे चारिटा कविता संग्रह...'सहस्रमुखी चौकपर'...'कालध्वनि'... 'सोम सतसइ' आओर 'सोम पदावली'... दूटा उपन्यास...'चानोदाइ' आओर 'होटल अनारकली' ... एकटा कहानी संग्रह.... 'आगि तांबूल वनमे' आओर एकटा संगीत नाट्य काव्य 'चरैवेति' शामिल अछि.

मैथिली कवि...उपन्यासकार श्री सोमदेव जीके 2001 मे यात्री चेतना पुरस्कार सेहो मिल चुकल छनि. हेलो मिथिला दिस सं सोमदेव जीके के एहि सम्मान के लेल बधाई आओर शुभकामना.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु