नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

विद्यापति स्मृति पर्व समारोह

दिल्ली...नोएडा-एनसीआर मे रहय वाला सभ मैथिल के विद्यापति स्मृति पर्व समारोह के लेल न्योत अछि.  समारोह नोएडा स्टेडियम  परिसर मे शनि दिन ०4 दिसंबर के सांझ  7 बजे सं शुरू होएत.


हि समारोह मे अपन मिथिला के तमाम जानल- पहचानल गायक- गायिका आबि रहल छथि. मैथिली गीतनाद के आनंद लेबय लेल ई अहां सभ के लेल नीक मौका अछि. अहां सभ अपन पूरा परिवार के संग आबि गीतनाद के आनंद उठाबी आओर कलाकार सभ के मनोबल के सेहो बढ़ाबी.

ई अहां सभ के लेल... हमरा सभ के लेल अपन गाम-घर के लोक सभ सं मिलय के सेहो नीक अवसर अछि. बड़ दिन भ गेल अछि एक-दोसरा सं मिलला...गप कएला. आउ एक- दोसरा सं भरि पांज मिलु... अपन सुख-दुख के बारे मे बतिआउ...गीत के आनंद लेबय क संग ठहाका सेहो लगाउ.

त मिलय छी नोएडा स्टेडियम मे शनि दिन सांझके सात बजे.
अहांक इंतजार मे

जय मैथिल - जय मिथिला

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु