नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मुफ्त मोतियाबिंद ऑपरेशन शिविर

दरभंगा के शीशो मे 14 दिसंबर के निशुल्क मोतियाबिंद ऑपरेशन शिविर लागि रहल अछि. ई ऑपरेशन शिविर साईंनाथ मंदिर प्रबंधक समिति शीशो आओर पूअर होम दरभंगा के तरफ सं लगाएल जा रहल अछि. अहां सभ के गाम-घर मे अगर कोनो लोक के मोतियाबिंद अछि त हुनका ई खबर जरूर बताबय के कोशिश करबन्हि.

ई एहि लेल आओर जरूरी अछि किएक कि हिनका सभ के तरफ सं कराएल गेल एकटा सर्वे मे पता लागल अछि जे इलाका के काफी लोक के मोतियाबिंद छनि आओर हुनका तुरंत ऑपरेशन के जरूरत छनि. मुदा आर्थिक स्थिति के कारण सं ओ ऑपरेशन कराबय मे सक्षम नहि छथिन्ह.

उम्मीद अछि जे एहि शिविर मे 70 सं 75 लोक के ऑंखि केर ऑपरेशन होएत. आयोजक के एक ऑपरेशन पर करीब एक हजार रुपया के खर्च पड़तन्हि. ई धर्मार्थ काज अछि आओर अगर अहां सभ सेहो एहि परोपकार के काज सं जुड़य चाहय छी त जुड़ि सकय छी.

अहां सभ जे दान-पुण्य करब ओहि मे अहां के इनकम टैक्स के छूट सेहो मिलि सकैत अछि.. अहां सभ अपन चेक / ड्रॉफ्ट " The Kameshwari Priya Poor Home " दरभंगा के नाम सं द सकय छी.
आंखि के ऑपरेशन...इलाज...पढाई-लिखाई के क्षेत्र मे दरभंगा के पूअर होम के नीक स्थान अछि. पूअर होम आओर साईनाथ संस्था गरीब मरीज के लेल सेहो नीक काज करि रहल अछि. अहां सभ के सेहो एहि नीक काज मे सहभागी बनबाक चाही.

अहां सभ जे मदद... सहायता करय चाहय छी ओ साईंनाथ मंदिर शीशो के प्रबंधक के आ फेर दिल्ली मे रहय वाला कुशवाहा जीके पास भेज सकय छी. कुशवाहा जी पिछला साल सेहो एहिठाम शिविर लगौने छलखिन्ह.

हुनकर पता छनि : R.S.Kushwaha, G-65 , BALI NAGAR, New Delhi - 110015, Mob -093501-09529

एहि मोतियाबिंद ऑपरेशन के बारे मे आओर कोनो जानकारी चाही त अहां सभ एहि फोन पर सम्पर्क क सकय छी.-  080106-04139  आओर 093048-62626

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु