नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

धन्यवाद यात्रा

बिहार विधानसभा चुनाव के बाद बीजेपी आब धन्यवाद यात्रा पर निकलत. चुनाव लड़य आओर जीतए के प्रतिशत के हिसाब सं देखल जाए त एहि चुनाव मे सभ पार्टी सं नीक प्रदर्शन बीजेपी के रहल. त आब जनता के ओहि जनादेश के सम्मान करय लेल बीजेपी नेता लोक के धन्यवाद देथिन्ह.

पार्टी के तरफ सं सभ नवका विधायक के कहल गेल अछि जे अपना-अपना विधानसभा क्षेत्र मे जा मतदाता के धन्यवाद देल जाउ. अखन राज्य विधानसभा के सत्र चलि रहल अछि. सत्र खत्म भेलाह के बाद 9 दिसंबर सं एलएलए साहेब सभ अपन-अपन क्षेत्र मे निकलताह.

पार्टी आलकमान के तरफ सं एमएलए साहेब सभ के इहो कहल गेल छनि जे अपन इलाका मे कार्यकर्ता सभ सं बेसि सं बेसि सम्पर्क बना क राखु. लोक के समस्या सं बेसि सं बेसि अवगत रहुं. कोशिश करु जे हमेशा अपन मतदाता के लेल उपलब्ध रही.

बीजेपी विधायक सभ के अपन इलाका के लोक सभ के... कार्यकर्ता सभ के नाम-पता-फोन नंबर जमा कs एकटा डाटाबेस तैयार करय लेल सेहो कहल गेल अछि. जाही सं काज परला पर... कोनो समस्या परेशानी के समय कार्यकर्ता सभ के मार्फत सं ओकरा दूर करय के कोशिश कएल जा सकए.

एहि सं विधायक जी अपन इलाका के लोक के सम्पर्क मे सदिखन बनल रहताह. जेहि सं लोक अपन कष्ट...परेशानी हुनका बता सकथिन्ह. नवका योजना... कार्यक्रम के बारे मे जानि पएथिन्ह आओर ओहि पर नीक सं अमल भ पाएत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु