नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

विकास सं कम किछिओ नहि...

बिहार के लोक नीतीश जीके बड़ उम्मीद के संग फेर सं कुर्सी पर बैसलखिन्ह. बिहार के लोक मे विकास के लsक एकटा नवका उम्मीद जागल अछि. लोक बिहार के चौतरफा विकास चाहय छथिन्ह. ओ आब कोनो हाल मे राज्य के पाछां जाएत स्वीकार नहि करथिन्ह. बिहार के पाछां ल जाए के परिणाम लालू-राबड़ी जीके दिखा रहल छनि.

अगर नीतीश जी चाहय छथिन्ह जे हुनकरो हाल लालू-राबड़ी आओर पासवान जी जकां नहि होए. त हुनका मजबूरिओं मे बिहारक विकास लेल काज करहे परतन्हि. लोक आब पिछड़ल बिहार के तमगा स्वीकार नहि करत. बिहार आओर बिहार सं बाहर रहल वाला बिहारी मे आब एकटा नवका स्वभिमान जागल अछि.

एहन मे नीतीश जीके अपन दू-चारि टा...दस टा बाहुबली विधायक के भाव देनाय छोड़ि आम लोक के हित पर ध्यान देबाक चाही. केना आम लोक के सड़क के संग बिजली के सुविधा मिलय... केना स्कूल मकान बनत... केना टीचर पढाबय लेल मौजूद रहथिन्ह. केना पुलिस बल के आधुनिक बनाएल जाए. केना फेर सं चीनी मिल के जीआएल जाए एहि पर ध्यान होबाक चाही.

लोक नीतीश जी पर टकटकी लगौने छथिन्ह. लोक के उम्मीद छनि जे बिहार मे जतय उद्योग धंधा के बेसि संभावना नहि अछि ओतेय बिहार के शिक्षा हब के रूप मे विकसित कएल जाए. एहि ठाम फूडप्रोसेसिंग के बढ़ावा देल जाए. मिथिला क्षेत्र मे आम... लीची... मखान... माछ के बड़का केंद्र के रूप मे विकसित कएल जाउ.

मधुबनी पेंटिंग... केरा उद्योग... अचार उद्योग...बांस उद्योग...आईटी-सॉफ्टवेयर के बढावा देल जाउ. समस्तीपुर...भागलपुर...बरौनी...सहरसा...पूर्णिया के सब्जी...मसाला पैदावार के बढ़ावा द कृषि क्षेत्र मे नवका मुकाम बनाउल जाए. समस्तीपुर के तम्बाकू सं नीक कमाई भ सकैत अछि. बस एकरा बढावा देबय के जरूरत अछि.

आओर नीतीश जी अपन बाहुबली विधायक सभ के शिक्षा क्षेत्र मे हाथ अजमाबय के सलाह द सकय छथिन्ह. जतेक बाहुबली नेता छनि हुनका सभ के मॉल बनाबय... उच्च शिक्षा संस्थान खोलय... आईटी संस्थान खोलय... फिल्म सिटी बनाबय के कहि सकय छथिन्ह. चूंकि ओ बाहुबली होएतन्हि ताही लेल हुनकर काज बिना रोक- टोक के पूरा भ जएतन्हि.

संगहि- संग बाहुबली के जगह नीक काज करय के तमगा सेहो मिल जएतन्हि आओर साउथ के बेंगलुरु... चैन्नई.. हैदराबाद जकां विद्यार्थी सभ एहि ठाम सेहो मेडिकल... इंजीनियरिंग... एमबीए के पढ़ाई करय लेल अएताह. राजस्थान के कोटा जकां सेहो कोनो शहर के विकसित कएल जा सकैत अछि.

नीतीश जीके एहि पर गंभीरता सं विचार करबाक चाही. नहि त काठक कढाई एके बेर आगि पर चढैत अछि. लोक आब विकास स कम किछिओ पर तैयार नहि होएत.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु