नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पाछां त नहि जा रहल अछि बिहार?

आई एकटा खबर पढ़लौं जे बिहार विधान सदस्य हुलास पांडेय पर एक करोड़ रुपया रंगदारी मागल के आरोप लागल. हुलास पांडेय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक पार्टी जेडीयू के बाहुबली विधायक सुनील पांडेय के भाई छथिन्ह.
 सुनील पांडेय तरारी सं एमएलए छथिन्ह आओर हिनका खिलाफ कइटा मामला छनि.

एमएलसी हुलास पांडेय खुद बाहुबली छथिन्ह. हिनका खिलाफ मामला दर्ज कएल गेल अछि. हिनका खिलाफ ठेकेदार डीएन सिंह मामला दर्ज करौलखिन्ह. डीएन सिंह के आरोप छनि जे हुलास पांडे अपन बॉडीगॉर्ड आओर दस लोक के संग हुनका घर पर धावा बोल देलखिन्ह. हिनका राइफळ के बट सं पीटल गेलन्हि.

डीएन सिंह के इहो आरोप छनि जे हुनका सं एक करोड़ रुपया रंगदारी मांगल गेल आओर कहल गेल जे नहि देलाह पर नीक नहि होएतन्हि. मामला दर्ज अछि आओर एमएलसी फरार. पुलिस मामला के जांच करय के बात करि रहल अछि. पुलिस के कहनाय अछि जे दोषी कतबो पैघ लोक होए छोड़ल नहि जाएत.

ई त भेल रोहतास के गप. ओम्हर हाजीपुर मे एकटा व्यापारी सं तीन करोड़ रुपया के रंगदारी मांगल गेल अछि. व्यापारी के पूरा परिवार डरल अछि. किएक त ओहि व्यापारी के पहिनहुं अपहरण भ चुकल अछि. पुलिस एहि मामला मे सेहो छानबीन करय मे जुटल अछि. कतहुं ई बिहार मे फेर सं अराजकता केर शुरुआत त नहि अछि?

किएक त किछ दिन पहिने अहां विधायक बीमा भारती के संग मारि-पीट के खबर सुनने होएब. जेडीयू विधायक बीमा भारती के पति सेहो बाहुबली छथिन्ह. आओर ई जानि क आओर आश्चर्य होएत जे एहि बेर के चुनाव मे नीतीश जी जे भारी-भरकम बहुमत सं जीतलखिन्ह . ओहि मे कइटा विधायक बाहुबली छथिन्ह.

नीतीश जीक पार्टी के देखल जाए त करीब 43टा विधायक संगीन मामला मे लिप्त छथिन्ह. ई हाल कम-बेसि सभ पार्टी के अछि. मुदा एहि बेर बेसि सीट जीतय के संग नीतीश जीक जेडीयू एहि मे सेहो आगां अछि. सहयोगी बीजेपी सेहो पाछां नहि अछि. एहन मे कि कानून-व्यवस्था मे मामला मे नीतीश जीक हाथ बंधि नहि जाए छनि?

कि नीतीश जी एतेक हिम्मत जुटा सकय छथिन्ह जे ओ अपन विधायक के खिलाफ कार्रवाई करथिन्ह? कि टिकट देय काल हिनका अपन बाहुबली उम्मीदवार के बॉयोडाटा नहि पता छलन्हि. आ नीतीश जी के चुनाव जीतए लेल बाहुबली के संग लsक चलनाए मजबूरी छलन्हि ? कि नीतीश जी अपन दागी-बाहुबली विधायक के संभारि पएथिन्ह?
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु