नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ट्रेनक नंबर बदलल...

सोमदिन 20 दिसंबर सं ट्रेनक नंबर बदलि जा रहल अछि. अखन ट्रेनक नंबर चारि अंकक अछि. 20 तारीख सं ई पांच अंकक भ जाएत. असल मे दिन पर दिन ट्रेनक संख्या बढ़ल जा रहल अछि आओर चारि अंक के नंबर के कारण नवका ट्रेनक नंबर देबय मे दिक्कत आबि रहल अछि.

अखन देश मे करीब साढ़े सात हजार एक्सप्रेस आओर करीब ग्यारह हजार पैसेंजर ट्रेन चलैत अछि. अखन चारि अंक वाला 7518 ट्रेन अछि. पैसेंजर ट्रेन तीन अंक वाला अछि. आब सभ ट्रेन चाहे ओ एक्सप्रेस होए आ पैसेंजर पांच अंक के भ जाएत.

एक्सप्रेस ट्रेन के नंबर के पहिने अखन 1 जोड़ि देल जाएत जखन कि हॉलीडे स्पेशल ट्रेन के पहिने 0 लागत. पैसेंजर ट्रेनक पहिने 5 लागत... एहिना किछ आओर संख्या 6 आओर 7 ट्रेन-जोन के हिसाब सं जोड़ल जाएत. यात्रा पर निकलय सं पहिने अपन ट्रेन नंबर नीक सं देख लेब.

दरभंगा...समस्तीपुर...जयनगर...सीतामढ़ी सभ रूट के पैसेंजर ट्रेनक नंबर बदलि गेल अछि. एम्हर के पैसेंजर ट्रेन जे पहिने तीन नंबर के छल ओकर शुरू मे 55 जोड़िs क पांच अंक के करि देल गेल अछि. बाद के नंबर सेहो बदलि गेल अछि.

जेहि ट्रेनक रिजर्वेशन 20 तारीख के बाद केर अछि ओ पहनहिं पांच नंबर सं टिकट देल गेल अछि. कोनो दिक्कत होए त 139 पर फोन क जानकारी ल सकय छी. प्लेटफॉर्म पर पहुंचला के बाद पूछताछ खिड़की सं सेहो पता करय के कोशिश करि लेल करब. नीक रहत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु