नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश बनलाह पर्सन ऑफ द ईयर...

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रतिष्ठित पत्रिका फोर्ब्स इंडिया के तरफ सं पर्सन ऑफ द ईयर चुनल गेलाह अ. पत्रिका के ताजा अंक मे हुनका चुनय के बारे मे खबर देल गेल अछि.

एकर घोषणा दिल्ली मे भेल एकटा समारोह मे कएल गेल. ई समारोह फोर्ब्स इंडिया पत्रिका के तरफ सं साल के आखिर मे आबय वाला विशेष अंक के लेल छल. एहि अंक मे सभ क्षेत्र के 24 प्रमुख लोक के जिक्र कएल गेल अछि.

नीतीश कुमार जीक बिहार विधान सभा चुनाव मे भारी जीत के संग फेर सं सत्ता मे आबय आओर राज्य के विकास के रास्ता पर ल जाए के लेल ई सम्मान देल गेलन्हि.

फोर्ब्स इंडियाक मुख्य कार्यकारी अधिकारी अजय चाको जीक कहनाय छनि जे बिहार जेहि रफ्तार सं आगां बढ़ि रहल अछि आओर नीतीश जीक नेतृत्व मे जेना विकास भ रहल अछि ओ वह बेहद सराहनीय अछि. हुनकर बेहतरीन काज के देखैत ई खिताब देल गेलन्हि.

एकरा संग ओ इहो कहय छथिन्ह जे बिहार मे अखनो काफी किछ करय के जरूरत अछि. नीतीश जीके फेर सं सत्ता मे आबय सं देश के बड़का औद्योगिक घराना सभ पूंजी निवेश के लेल उत्सुक छथिन्ह.

सरकार के स्थिरता के कारण बिहार मे अगिला साल के लेल करीब 18 हजार करोड रुपया केर निवेश प्रस्तावित अछि. नीतीश जी जल्दीए एकटा मीट सेहो करय वाला छथिन्ह जेहि सं आओर निवेश प्रस्ताव आबय के उम्मीद अछि.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु