नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पद्माशा झा जीक सम्मान...

मिथिलाक शिक्षा जगत सं जुड़ल लोक के लेल नीक खबर अछि. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर वीसी डॉ पद्माशा झा जी के पिछला दिन लाइफ टाइम एजुकेशन अवार्ड सं सम्मानित कएल गेलन्हि. दिल्ली मे भेल एकटा समारोह मे पद्माशा जी अपन शैक्षणिक सेवा के लेल सम्मानित कएल गेलीह.


ई मास हिनका लेल खास छनि. किएक त दिसंबर मे हिनका एकटा आओर सम्मान मिलय वाला छनि. 30 दिसंबर के इंटरनैशनल इन्टीलेक्चुअल एचीवमेंट अवार्ड सं सम्मानित कएल जएतीह. ई सम्मान बैंकाक मे ग्लोबल एचीवर्स फांउडेशन के तरफ सं देल जाएत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

  1. पद्माशा झा जी Samast maithil aur mithilak taraf san hardik dhanyabad, ahak ahi samman se mithila me bahut paigh sandesh jetaik aa khas kay ke ladki sab paday likhay me dhyan detih lagi larag achhi Sitak dharti pher ek ber pukari rahal achhi je e satabdi hamar chhee.

    Dhanyabad
    Dayakant

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु