नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

महिला विधायक के पिटाई...

खबर मिल रहल अछि जे रुपौली, पूर्णिया के विधायक बीमा भारती के हुनकर पति कथित रूप सं पिटलखिन्ह. पति अवधेश मंडल के पिटाई सं ओ घायल भ गेल छथीह. खबर इहो मिल रहल अछि जे बीमा भारती जीके पूर्णिया सदर अस्पताल मे शुरुआती इलाज के बाद पटना के पीएमसीएच रेफर करि देल गेल छनि.


पति के संग झगड़ा मे घायल भेलाह के बाद बीमा भारती अपन पति के खिलाफ भवानीपुर थाना मे केस दर्ज करएलीह. जेहि के बाद पुलिस अवधेश मंडल के पूछताछ के लेल थाना बुला गिरफ्तार करि लेलक.

लोक सभ के इहो कहनाय छनि जे विधायक जीक पति एकटा स्थानीय गिरोह के सरगता सेहो छथिन्ह आओर हिनका खिलाफ कइटा मामला सेहो दर्ज छनि. बीमा भारती नीतीश कुमार जीक पार्टी जेडीयू सं विधायक छथीह... आओर लोक सभ के एकरा एकटा पारिवारिक झगड़ा मानि रहल छथिन्ह.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु